चीनी सामान के सबगोटे करु बहिष्कार :: अमित झा, जिला मंत्री ABMP

Image

अखिल भारतीय मिथिला पार्टी के जिला मंत्री अमित कुमार झा के द्वारा सोनई पंचायत, हरलाखी विधानसमभा में कयल गेल चीन के भारी विरोध आ चीनी सामान के खरीदारी बंद करबा लेल आवाहन कयल गेल। सीमा पर चीनी सेना द्वारा कयल गेल कायराना हरकत लेल चीनी राष्ट्रपति के पुतला दहन कयल गेल।

विदित होई कि अमित झा मैथिली समाजसेवी आ मिथिला राज्य समर्थक अभियानी छथि आ पलायन के दीवार तोड़ि विशाखापत्तनम सँ अपन रोजगार त्यागि अपन मातृभूमि में वापस आबि अपन मेहनत आ लगन सँ एकटा जगह बनेलथि आ सतत अपन क्षेत्रक विकास लेल तत्पर रहैत छथि।
मिथिला में नव राजनीति के आगाज करबा हेतु लागल अपन टीम संग हरलाखी विधानसमभा सँ अखिल भारतीय मिथिला पार्टी के सबसँ प्रबल दावेदारी प्रस्तुत कय रहल छथि अपन क्षेत्र में।


2 Comments

Leave a Reply to Mani Bushan Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *