ParasmaniDham Rahua-Sangram :: पारसमणि धाम, रहुआ-संग्राम


Image

ParasmaniDham Rahua-Sangram :: पारसमणि धाम, रहुआ-संग्राम

पारसमणि स्थान रहुआ संग्राम गाम मे स्थित अछि जे की मधेपुर प्रखंड आ मधुबनी जिलाक अन्तर्गत अबैत अछि।स्थानीय लोक सँ प्राप्त जानकारी एवं दंत कथा सँ ई स्पष्ट होइत अछि जे एहि स्थानक सम्बंध गुप्त काल सँ अछि।संत शिरोमणि लक्ष्मीनाथ गोसाईं जी के सिद्धि प्राप्ति स्थल अछि ई।आदि काल सँ एखन धरि एहि स्थानक प्रभा दिन प्रतिदिन बढ़ते जा रहल अछि।एहन मान्यता अछि जे कियोगोटे साफ मोन सँ एतय अबैत छथि तँ हुनक आशा अवश्य पूरा होइत अछि। शिवराइत के दिन सँ 4,5 दिन तक एहि स्थानक भव्यता देखैत बनैत अछि,विभिन्न प्रकार के आयोजन आ प्रतियोगिता स्थानीय लोक सभ रखैत छथि।हरेक रवि दिन मेला के प्रावधान अछि आ माघ महीना मे रवि दिनक मकर तँ पूरा मिथिला में नामी अछि।एखन धरि एहि स्थानक देख रेख स्थानीय लोक सभ करैत छथि मुदा विगत किछु समय मे सरकारक नजरि कनि गेलनि अछि आ एहन सुनबा मे आएल अछि जे एहि स्थान केँ बिहार/मिथिला टुरिज्म मे स्थान भेटय वाला अछि।
जय पारसमणि नाथ।🙏🙏

 

किरण प्रभा
Image