योग के जीवन के आधार बनाऊ, नृत्य सेहो एक प्रकारक योग अछि :: मोहित खांडेलवाल

Image

नटराज डांस एकेडमी के तरफ सँ प्रति वर्ष के तरह एहि साल सेहो 21 जून के कंकाली मंदिर के प्रांगण में भोरे 5:00 बजे सँ अंतर्राष्ट्रीय योग दिवस पर योग शिविर के आयोजन कयल गेल। एहि कार्यक्रम में मुख्य अतिथि के रूप में श्री सत्यवान जी छलाह। एहि कार्यक्रम में योग शिक्षक योगाचार्य कमलेश चौधरी जी योग प्रशिक्षण देलाह जहिमें सूर्य नमस्कार,ऊँ मंत्र सहित संधि योग, वज्रासन, मंडूकासन एवं प्राणायाम सिखेलथि आ विभिन्न प्रकार की योग के गुणपूर्वक चर्चा कयलन्हि। नटराज डांस अकेडमी सँ श्री मोहित खंडेलवाल योग के महत्व के बतबैत कहलथि कि ईहो जीवन जीबाक एक तरीका अछि जहिसँ शरीर स्वस्थ रहैत अछि आ योग के माध्यम से शरीर आ मन में सामंजस्य स्थापित होईत अछि। हमसब आई 21 जून के अंतरराष्ट्रीय योग दिवस के अवसर पर योग के गुण-लाभ के चर्चा करैत छी। ओना त शरीर के स्वस्थ राखय के अनेक तरीका अछि, कियो सुबह टहलय छथि, कियो दौड़य छथि, कियो जिम में जाकय व्यायाम करय छथि, एहि प्रकार योग सेहो शरीर के स्वास्थ्य आ ऊर्जावान रखबा लेल कयल जाईत अछि पर योग कुछ मायने में आन चीज सँ भिन्न अछि । योग शरीर आ मोन के स्वस्थ रखबालेल एकटा आध्यात्मिक प्रक्रिया अछि आ ई शरीर में ऊर्जा बनेबाक आ शरीर के रोगप्रतिरोधकता बढ़ेबाक काज करैत अछि। मैथिल मंच सँ मणिभूषण राजू एहि आयोजन आ आयोजन में आमंत्रण हेतु आयोजकगण के धन्यवाद दैत कहलथि कि नृत्य सेहो एक प्रकार के योग अछि। नटराज डांस अकेडमी के एहि प्रयास के लेल धन्यवाद ज्ञापित करैत ओ कहलाह कि निश्चय एकटा अद्वितीय प्रयास अछि जे मोहित खांडेलवाल जी अपन कला अकादमी के संग योग दिवस पर योग के नृत्य आ साधना सँ जोड़ि रहल छथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *