सीमा पर शहीद भेल सैनिक लोकनि आ अभिनेता स्व. सुशांत सिंह राजपूत के समर्पित ई अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस आयोजन :: नृत्यसम्राट मोहित खांडेलवाल

Image

सीमा पर शहीद भेल सैनिक लोकनि आ अभिनेता स्व. सुशांत सिंह राजपूत के समर्पित ई अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस आयोजन :: नृत्यसम्राट मोहित खांडेलवाल

नटराज डांस एकेडमी के तरफ सँ प्रति वर्ष के तरह एहि साल सेहो 21 जून के कंकाली मंदिर के प्रांगण में भोरे 5:00 बजे सँ अंतर्राष्ट्रीय योग दिवस पर योग शिविर के आयोजन कयल गेल। एहि कार्यक्रम में मुख्य अतिथि के रूप में श्री सत्यवान जी छलाह। एहि कार्यक्रम में योग शिक्षक योगाचार्य कमलेश चौधरी जी योग प्रशिक्षण देलाह जहिमें सूर्य नमस्कार,ऊँ मंत्र सहित संधि योग, वज्रासन, मंडूकासन एवं प्राणायाम सिखेलथि आ विभिन्न प्रकार की योग के गुणपूर्वक चर्चा कयलन्हि।

Image

नटराज डांस अकेडमी सँ वरिष्ठ नर्तक श्री मोहित खंडेलवाल योग के महत्व के बतबैत कहलथि कि ईहो जीवन जीबाक एक तरीका अछि जहिसँ शरीर स्वस्थ रहैत अछि आ योग के माध्यम से शरीर आ मन में सामंजस्य स्थापित होईत अछि। हमसब आई 21 जून के अंतरराष्ट्रीय योग दिवस के अवसर पर योग के गुण-लाभ के चर्चा करैत छी। ओना त शरीर के स्वस्थ राखय के अनेक तरीका अछि, कियो सुबह टहलय छथि, कियो दौड़य छथि, कियो जिम में जाकय व्यायाम करय छथि, एहि प्रकार योग सेहो शरीर के स्वास्थ्य आ ऊर्जावान रखबा लेल कयल जाईत अछि पर योग कुछ मायने में आन चीज सँ भिन्न अछि । योग शरीर आ मोन के स्वस्थ रखबालेल एकटा आध्यात्मिक प्रक्रिया अछि आ ई शरीर में ऊर्जा बनेबाक आ शरीर के रोगप्रतिरोधकता बढ़ेबाक काज करैत अछि।

 

मैथिल मंच सँ मणिभूषण राजू एहि आयोजन आ आयोजन में आमंत्रण हेतु आयोजकगण के धन्यवाद दैत कहलथि कि नृत्य सेहो एक प्रकार के योग अछि। नटराज डांस अकेडमी के एहि प्रयास के लेल धन्यवाद ज्ञापित करैत ओ कहलाह कि निश्चय एकटा अद्वितीय प्रयास अछि जे मोहित खांडेलवाल जी अपन कला अकादमी के संग योग दिवस पर योग के नृत्य आ साधना सँ जोड़ि रहल छथि।

एहि कार्यक्रम मे नटराज डांस अकेडमी के कलाकारगण द्वारा अद्भुत आ विलक्षण भगवती वंदना नृत्य संग प्रस्तुत कयल गेल जहिमें वरिष्ठ नर्तक मोहित खांडेलवाल जी अपने तैयारी करबेने छलाह। ई मनमोहक प्रस्तुति आयोजन संग योग दिवस के उपयोगिता के पूर्ण कयलक।

आयोजन के समापन में देश के सीमा पर शहीद भेल सैनिक लोकनि आ अभिनेता स्व. सुशांत सिंह राजपूत के समर्पित करैत वरिष्ठ नर्तक मोहित खांडेलवाल जी जोश सँ ओतपोत भय अपन देशक सेना के जयघोष कयलाह आ अपन देश के सरकार आ सेना पर पूर्ण भरोसा जतेलाह। स्व. सुशांत राजपूत के लेल द्रवित मोन सँ श्रद्धांजलि अर्पित कयलन्हि आ कहलाह जे एकटा कलाकार कखनो आत्महत्या नहि कय सकैत अछि, एखनहु हमर सबके मोन ई मानयलेल तैयार नहि अछि जे स्व. सुशांत राजपूत के हमसब आगा नै देखि सकब।
मैथिल मंच के अध्यक्ष मणिभूषण राजू, अभिनेता स्व. सुशांत राजपूत के प्रकरण में सरकार सँ हत्याक एंगल सँ जाँच करेबाक लेल आग्रह कयलाह आ जन-जन सँ आग्रह कयलाह जे कलाकार के असली शक्ति ओकर कला के देखयवला दर्शक अर्थात जनता जनार्दन होईत छथि।
जँ हमसब अपन क्षेत्र के कला के आगा बढ़ैत देखय चाहय छी त हमरा सबके एकटा मजबूत खाम जकाँ कलाकारलोकनि के पाछा ठाढ़ रहय पड़त आ आगा एहन कोनो सुशांत वा आन ककरो समाचार नहि आबय ओहिलेल साकाँक्ष रहय पड़त।
जहिना चारि महीना के लाकडाउन देश के वातावरण सँ लय क पर्यावरण के शुद्ध कयलक ओहिना अगर हमसब मिथिला आ समस्त बिहार के लोक दू साल तक बॉलीवुड आ भोजपुरी के सिनेमा देखनाई बंद कय दी त स्वत: अहू में शुद्धता आबि जायत आ भोजपुरिया फूहड़पन खतम होयत। राजूजी सबसँ आग्रह कयलाह कि आगा के दू साल नै त कम सँ कम एक साल केवल मैथिली आ मैथिल के सुनि, हुनक उत्साहवर्धन करी आ जँ संभव होई त अपन आसपास के कलाकार के यथोचित संग आ सहयोग करी।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *