रक्षक के रक्षा जरूरी:- विक्की मंडल

Image

रक्षक के रक्षा जरूरी:- विक्की मंडल

मधुबनी-पंडौल प्रखंड के सरिसब पाही परिसर में पछिला किछु वर्ष सँ अयाची नगर युवा संगठन द्वारा अनेकों लोकोपकारी काज कयल जा रहल अछि। संगठन के सदस्य कखनो पर्यावरण के सुरक्षा के लेल बृक्षारोपण के काज करैत छथि त कखनो धर्मस्थान में श्रद्धालु लोकनि के जेबाक रास्ता प्रशस्त करैत छथि त कहियो छात्रलोकनि के प्रोत्साहन के लेल कार्यक्रम आयोजित करैत छथि।
Image
पछिला किछु महीना में जखन कोरोना बैश्विक महामारी विश्व के समक्ष एकटा महासंकट उत्पन्न कय देने अछि, एहन स्थिति में सरिसब पाही में अयाची नगर युवा संगठन के सदस्यलोकनि आमलोक के जागरूक करबा लेल कदम उठेलथि। विक्की मंडल के नेतृत्व में हुनक साथी लोकनि कखनो जरूरतमंद के बीच हजारों मास्क आ सैकड़ो साबुन के वितरण केलन्हि त कखनो इलाहाबाद बैंक सरिसब पाही परिसर में लग रहि रहल लोकसबके भीड़ के नियंत्रित करबाक जोखिम भरल कदम उठेलथि, समय-समय पर सरिसब पाही परिसर में एहि महामारी के प्रति विभिन्न माध्यम सँ लोकके जागरुक कयलथि। मंगल के पूछय पर विक्की मंडल कहलथि कि पंडौल थाना के पुलिस लगातार हमसबके सुरक्षा में कोरोना वारियर्स के रूप मे क्षेत्र में व्यस्त रहय छथि, हिनका सबके सब तरहक लोकक बीच जाय पड़ैत छनि त हम ई सोचल अगर हमरसबके रक्षक खुद सुरक्षित रहताह तहने सुरक्षा क पेताह।
ई सब बात विक्की मंडल, पंडौल थाना में पुलिस पदाधिकारी आ जवान लोकनिके बीच फेस शील्ड,मास्क आ सेनेटाइजर बंटबाक समय कहलाह।
थानाध्यक्ष मनोज कुमार, अयाची नगर युवा संगठन द्वारा कयल गेल एहि काज के प्रति थाना के सब पदाधिकारी आ जवान के तरफ सँ आभार व्यक्त कयलथि। एहि अवसर पर विजय मंडल,आदित्य मंडल,भवेश झा, सन्नी कुमार आदि लोक उपस्थित छलथि।
Image

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *