हमरा महाराजा कामेश्वर सिंह वाला विकसित मिथिला चाही एहि लेल हमरा मिथिला राज्य चाही:प्रफुल्ल चन्द्र झा

Image

Image

हमरा महाराजा कामेश्वर सिंह वाला विकसित मिथिला चाही एहि लेल हमरा मिथिला राज्य चाही:प्रफुल्ल चन्द्र झा

दिनांक 30/12/2018 के मध्य विद्यालय सोनई(साहरघाट) मधुबनी के प्रांगण में महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह मिथिला राज्य परिसीमन जागृति यात्रा के जन-जागरण कार्यक्रम श्री प्रफुल्ल चंद्र झा जी के अध्यक्षता आ श्री अमित झा के संयोजन में आयोजित कयल गेल। एहि में मिथिला राज्य के आवश्यकता पर विस्तृत चर्चा-परिचर्चा भेल, जिसमें सबगोटे #मिथिला_राज्य के मांग पर अपन सहमति प्रदान कयलथि।कार्यक्रम में मिथिला राज्य परिसिमन जागृति यात्रा के संयोजक आशीष चौधरी और मणिभूषण राजू अपन संबोधन में मिथिलाराज के औचित्य पर वृहत चर्चा कयलथि।

Image

अपन अध्यक्षीय भाषण में प्रफुल्ल चन्द्र झा दरभंगा राज के समय में दरभंगा महाराज द्वारा कयल सामाजिक संग औद्योगिक विकास के काजक विस्तृत चर्चा कयलनि आ आजुक परिप्रेक्ष्य में मिथिला में स्व. महाराजा कामेश्वर सिंह सनके नेतृत्व के आवश्यकता बुझेलनि।लोहट, सकरी आ रैयाम चीनी मिल आ पेपर मिल, जूट मिल आदि के चलैत स्थिति के वर्णन कय दरभंगा महाराज के प्रति अपन भावना आ संवेदना व्यक्त कयलनि।

Image

अतिथि के रूप में उपस्थित पूर्व जिला पार्षद श्री भारत भूषण मिथिला में जातीय विषमता के बिसरि केवल मैथिल बनि रहय आ सोचय के आग्रह कयलनि। ओ कहलनि – हम मैथिल कृतघ्न होईत रहलौ सदा सं…..जखन हम-सब हर तरह सं सम्पन्न छलौं आजादी सं पहिने तहन महाराजा कामेश्वर सिंह सनक एतेक सुंदर नेतृत्व के धोखा देनौ…..हुनका चुनाव में हरबा देलौं…..जखन जखन हमरा सबलेल सोचयवला नेता भेटल हम-सब हुनका दुत्कारि मिथिलाद्रोही सबके चुनलौं…अटल जी कोशी पुल दय दू भाग में विभक्त मिथिला के जोड़लाह, मैथिली भाषा के संविधान के अष्टम अनुसूची में स्थान दिएलाह…..मुदा हम-सब हुनको संग नहिं दय सकलियनि। जं हम-सब अटल जी के दुबारा मौका देने रहितियनि तो शायद आई हमरा सबके मिथिला राज्य लेल नहिं लड़य पड़ैत….एखनतक मिथिला राज्य बनि गेल रहति।

Image

अन्य उपस्थित अतिथि संग सहयोगी में मिथिला राज्य आंदोलनकारी आनंद झा, अखिल भारतीय मिथिला पार्टी (ABMP) के बिहार प्रदेश सचिव सरोज झा, अल्पसंख्यक प्रकोष्ठ के बिहार प्रदेश सचिव मो० नसीम, युवा मोर्चा अध्यक्ष अजय झा आदि सबगोटे कहलथि कि मिथिला के विकास अब तखने सम्भव अति जखन मिथिलाराज्य के गठन होयत। *मिथिला के सब बीमारी के एकमात्र आ “मिथिला राज्य” अछि। आयोजन सोनई पंचायत के मुखिया #श्री_राकेश_ठाकुर आ अभियानी #श्री_अमित_झा के द्वारा कयल गेल छल जहिमें सोनई पंचायत समिति सदस्य नुनु शुक्ला, रवि झा, मो० हामिद, अब्दुल्लाह, सुरेश यादव, फौदार शर्मा ,आदि एवं समस्त ग्रामवासी मौजूदगी में मिथिला राज्य लेल समग्र आंदोलन पर जोर देल गेल आ हर तरह के सहयोग के आश्वाशन भेटल। धन्यवाद ज्ञापन सोनई #मुखिया_राकेश_ठाकुर द्वारा कयल गेल ।

Image

Image


1 Comments

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *