शंकररोहाड सँ सिसौनी सड़क लेल धरातल पर कार्य-आरंभ होबयतक जारी रहत प्रयास :: पुरुषोत्तम वत्स

धरातल पर कार्य-आरंभ होबयतक जारी रहत प्रयास !

आई दिनांक : 12 जून 2020 के पुरुषोत्तम वत्स के नेतृत्व में स्थानीय विधायक मदन साहनी व मुख्यमंत्री नितीश कुमार के संयुक्त रूप सँ पुतला दहन कयल गेल । एहि पुतला दहन के उद्देश्य “लगातार सड़क शंकररोहाड सँ सिसौनी” के लय क विधायक ठकबाक काज कयलथि अछि। 2 लाख के आबादी नित्य एहि खराब सड़क के कारण अनेकों प्रकार के दुःख-असुविधा के सामना करैत छथि 15 साल सँ । लेकिन बेर-बेर विधायक अखबार के माध्यम सँ सुर्खियां बटोरैत नजर आबि रहल छथि । वर्षो सँ एहि क्षेत्र के जे कियो प्रतिनिधित्व कयलथि ओ सड़क के नाम पर जनता के बरगलाबय के काज कयने छथि।

कालि सेहो बिना कोनो ऑफिसियल कागज के ओ ई आसानी सँ मीडिया के माध्यम सँ ढकोसला जनता के बीच देरशलथि कि निविदा जल्द भय जायत। जखनकि वर्षो सँ केवल एतय के लोक सबकें यैह सुनय में आबि रहल अछि।

एहिबेर सबलोक ने मिलकय जनता के जागरूक करबाक काज कय रहल छथि। नीतीश कुमार जे सड़क के दावा करैत छथि हुनक मंत्री – विधायक के क्षेत्र के इस दुर्दशा हुनक पोल-खोल क रहल छनि।

एहि पुतला दहन के माध्यम सँ लोकसब एहि सड़क के मांग के बुलन्द कयलथि आ विधायक तक ई संदेश पहुँचाबय चाहय छथि कि ओ बहुतों बेर एहि क्षेत्र के भोली-भाली जनता के ठकबाक काज कयने छथि । एहिबेर लोक आंखि-में-आंखि डालिकय प्रश्न करतनि।

एहि कार्यक्रम में विद्या भूषण राय , चंदन ठाकुर , कौशल वत्स , विवेकानंद ठाकुर सुमित चौधरी , सुजीत चौधरी , लाल मोहन चौपाल , बुधन चौपाल , सरोज , संजीत मुखिया समेत सैकड़ो लोक उपस्थित छलथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *