“मैथिल समन्वय समिति गाम गेनिहार लोकनिक यातायातक प्रयास करत” – राजकुमार झा, प्रवक्ता

Image

“मैथिल समन्वय समिति गाम गेनिहार लोकनिक यातायातक प्रयास करत”
– राजकुमार झा, प्रवक्ता ।
***************
मान्यवर,
समस्त मैथिल समाजकें सूचित कयल जा रहल अछि जे मैथिल समन्वय समिति गाम गेनिहार इच्छुक लोकनिकें हुनका जन्मभूमि पहुँचेबाक ठोस प्रयास करS जा रहल अछि । स्थानीय प्रशासन एवम् सरकार द्वारा निर्दिष्ट नियम केर तहत् समिति, प्रवासी मैथिल बन्धु-बान्धवकें गाम लS जेबाक प्रयास प्रारंभ कयलक अछि । एहि क्रममे समितिक शीर्षस्थ पदाधिकारी संबंधित अधिकारीसँ सम्पर्क स्थापित कयलनि अछि ।

अस्तु, गाम गेनिहार महानुभावसँ निवेदन कयल जा रहल अछि जे क्रमबद्ध रूपें 25-25 व्यक्तिक समूहक सूचि पूर्ण विवरणक संग नीचां लिखल गेल वाट्सएप पर पठाबी । जे लोकनि गाम जेबाक इच्छुक छी कृपया अपन पूर्ण विवरण यथा नाम, स्थानीय पता, गामक पता, आधार नं०, मोबाइल नं०, (गन्तव्य स्थान दरभंगा, मधुबनी) एवम् सरकार द्वारा यात्रा संबंधित जारी कयल गेल दिशा-निर्देश आदि समितिक अध्यक्ष, सचिव, संयोजक एवम् सहसंयोजक महोदयक वाट्सएप पर पठाबी ।

1) प्रेम चन्द्र झा ‘प्रेमजी’ (अध्यक्ष) – 9619067997,

2) अंगद चौधरी (सचिव) – 9833644111,

3) पंकज झा (संयोजक) – 9320405164,

4) प्रमोद झा (सहसंयोजक) – 7045414351.

जे व्यक्ति महाराष्ट्र सरकार द्वारा यात्रा संबंधित जारी अॉनलाइन पंजीयन हेतु आवेदन कयने छी, टोकन नं० एवम् अपन विवरण निर्दिष्ट वाट्सएप पर सेहो पठाबी ।

अॉनलाइन लिंक अछि: http://covid-19.maharashtra.gov.in
विवरण एहि प्रकारें अछि :
1) नाम,
2) उम्र,
3) लिंग,
4) वर्तमान पीन कोड,
5) फोन नं०,
6) आधार नं० एवम्
7) गन्तव्य स्टेशन ।

समिति एहि दिशामे इच्छुक गाम गेनिहारक लोकनिक यातायातक व्यवस्था करेबाक हेतु गंभीर
प्रयास कS रहल अछि । धन्यवाद । जय श्री हरि ।


2 Comments

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *