बिहारीगंज, मधेपुरा में 15 दिवसीय मिथिला पेंटिंग प्रशिक्षण शिविर प्रारंभ :: मणिभूषण ‘राजू’

दिनांक 11फरवरी 2023 के मंडन भारती जागृति समाज , सहरसा द्वारा नाबार्ड प्रायोजित सुक्ष्म उद्यमिता विकास कार्यक्रम (MEDP) के अंतर्गत 15दिवसीय मिथिला पेंटिंग प्रशिक्षण के उद्घाटन, चंडिका धर्मशाला सभागार, बिहारीगंज में नाबार्ड के मधेपुरा एवं पूर्णिया के विकास पदाधिकारी द्वारा कयल गेल। उद्घाटन सत्र के संबोधित करैत डीडीएम नाबार्ड समुहक महिलालोकनि के कहलथि मिथिला पेंटिंग के प्रशिक्षण अपन संस्कृति के सुरक्षा संगहि आर्थिक उपार्जन हेतु महत्वपूर्ण अछि। संस्थाक सचिव लाजवंती झा कहलथि कि मिथिला पेंटिंग न केवल आर्थिक उपार्जनक स्रोत अछि अपितु महिलालोकनि द्वारा स्थानीय उत्पाद के, हथकरघा के बढ़ावा भेटबाक एकटा मुख्य रास्ता अछि। एहि प्रशिक्षण शिविर मे मैथिल मंच के प्रशिक्षित कलाकारगण द्वारा प्रशिक्षण देल जा रहल अछि।
एहि अवसर पर बिहारीगंज के वार्ड संख्या 8 आ 9 के वार्ड पार्षद, संस्था की कोषाध्यक्ष अलका प्रियदर्शिनी,अरुणा जी,पिंकी जी, रीता देवी, मणिभूषण ‘राजू’ , अजय कुमार वर्मा उपस्थित छलथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *