“मिथिला वैभव सम्मान”- ई हमरमात्र नहि समस्त मैथिल मंच परिवार के सम्मान अछि :: मणिभूषण ‘राजू’

MithilaVaibhavSamman

“मिथिला वैभव सम्मान”- ई हमरमात्र नहि समस्त मैथिल मंच परिवार के सम्मान अछि :: मणिभूषण ‘राजू’

राष्ट्रीय दैनिक मैथिली अखबार ‘मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश’ द्वारा विभिन्न क्षेत्र सँ विशिष्ट लोककें “मिथिला वैभव सम्मान” देल गेल, जहिमें मिथिला-मैथिली लेल काज करबाक हेतु मैथिल मंच के अध्यक्ष ई. मणिभूषण ‘राजू’ के सम्मानित कयल गेल।
राजू एहि सम्मान के मैथिल मंच के समस्त परिवार के समर्पित कय कहलाह जे ई सम्मान समस्त मैथिली आ मिथिला लेल समर्पित कार्यकर्ता के सम्मान अछि।
आयोजकगण के हार्दिक धन्यवाद दैत “मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश” के संस्थापक श्री अजयनाथ झा ‘शास्त्रीजी’ संगहि दरभंगाक ब्यूरो प्रभारी अग्रज दीपक कुमार झा के आभार व्यक्त कयलन्हि।

 


1 Comments

Leave a Reply to Gangesh Kumar Pathak Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *