मैथिली शिक्षक बहालक लेल उप सचिव अरशद फिरोज घोषणा केलाक बाद मैथिल युवा मे उत्साह :: विकाश फूल

Image

वैश्विक महामारी समय शिक्षाक विभाग द्वारा मैथिली शिक्षक बहालक लेल उप सचिव अरशद फिरोज घोषणा केलाक बाद मैथिल युवा मे उत्साह देखल गेल । मिथिला विकास संगठन के द्वारा लगातार चलावल जा रहल प्राथमिक एवं माध्यमिक स्कूल में मैथिली शिक्षक बहाल के लेल चली रहल प्रयास के कुछ हद तैक माध्यमिक विद्यालय में सफलता भेटल मिथिला विकास संगठन के संस्थापक अध्यक्ष विकाश फूल कहला जे संविधान के अष्टम अनुसूची में शामिल मैथिली के साथ बिहार सरकार के द्वारा लगातार शोषित होबए पैर रहल छै जखन कि मैथिली के प्राथमिक विद्यालय में लागू केलाक़ बाद लाखों युवा के अलग अलग रूपेण रोजगार के अवसर भेट सकैत छै ओय अवस्था में बिहार सरकार के द्वारा मैथिली शिक्षक प्राथमिक विद्यालय में नै बहाल कराबाक बिहार सरकार के मैथिल युवा के साथ खेलबार कारबाक मंशा साफ देखा रहल अय।राष्ट्रपितामहात्मागाँधी कहने छलाह जे – विदेशी भाषा द्वारा शिक्षा प्राप्त करबामे मस्तिष्कपर जे बोझ पड़ैत अछि से असह्य थिक। ई बोझ हमर नेना उठा त’ लैत अछि, मुदा ओकर मूल्य ओकरा देबय पड़ैत छैक। ओ दोसर बोझ उठयबाक योग्य नहि रहि जाइत अछि। एकरे परिणाम थिक जे हमर विद्यार्थी में खोज करबाक शक्ति, साहस, धीरता, निर्भयता आ अन्य सब गुण बहुत क्षीण भ जाइत अछि आ ओ अकार्यक, कमजोर, निरुत्साही आ नकलची बनि जइत अछि। यैह कारण थिक जे ओ नव योजना नहि बना सकैछ आ जँ ओ बनबैत अछि तँ ओकरा पूर्ण नहि क पाबैत अछि। एम वी एस के राष्ट्रीय सचिव त्रिपुरारी मैथिल सब युवा के शुभकामना देला

 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *