मैथिल मंच के “लोकल फार वोकल” अभियान के भेट रहल संग, दरभंगा के उद्यमी आ युवा नेता हेमन्त झा देलनि 500 पीस मिथिला पेंटिंग युक्त मास्क वितरण में सहयोग :: मणिभूषण ‘राजू’

मैथिल मंच के “लोकल फार वोकल” अभियान के भेट रहल संग, दरभंगा के उद्यमी आ युवा नेता हेमन्त झा देलनि 500 पीस मिथिला पेंटिंग युक्त मास्क वितरण में सहयोग :: मणिभूषण ‘राजू’

दरभंगा । संवाददाता
“मैथिल मंच” मंच द्वारा “लोकल फॉर वोकल” अभियान के तहत मिथिला पेंटिंग के कलाकारलोकनि के सहयोग लेल “मिथिला पेंटिंग सँ बनल मास्क” के वितरण कयल जा रहल अछि। गाम-गाम सँ आ देश के कोना-कोना सँ मैथिलजन मिथिला पेंटिंग के मास्क के आर्डर दय रहल छथि आ सहयोग कय रहल छथि।
एहि अभियान के एकटा पैघ सफलता भेटल जहन दरभंगा के युवा उद्यमी संग समाजसेवी हेमंत झा एकसंग अपन सहयोगीगण हेतु 500 मास्क के वितरण में सहयोग कयलन्हि आ अपन किछु मित्रगण के सेहो प्रेरित कयलन्हि।
मिथिला पेंटिंग के मास्क हर मैथिल के लेबाक चाही आ ओ पहुँचेनाई मैथिल मंच के जिम्मेदारी अछि, ई कहैत मैथिल मंच सँ मणिभूषण ‘राजू’ कहय छथि जे एहि लाकडाउन, कोरोना आ बीतल भयावह बाढ़ि के बाद सुदूर गामक कलाकारलोकनि के एकटा जीविकोपार्जन के नव राह भेटल अछि जे हुनका सबलेल उत्साहवर्धक अछि। मणि कहय छथि कि
मिथिला पेंटिंग के मास्क उपलब्धता लेल 8826566136 पर सम्पर्क कयल जा सकैत अछि।


2 Comments

  1. I have required some mask
    So plz send me
    My add is
    Ajay Singh
    Mirc army camp
    Solapur road
    Near mehtani soap
    Ahmednagar
    Maharastra pin 414110

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *