विश्वविद्यालयक प्राचीन भारतीय इतिहास पुरातत्व एवं संस्कृति विभाग मे विश्व पर्यावरण दिवसक अवसर पर , विचार गोष्ठीक आयोजन कयल गेल।

Image

दरभंगा । मणिभूषण राजू

ललित नारायण मिथिला विश्व विद्यालयक प्राचीन भारतीय इतिहास पुरातत्व एवं संस्कृति विभाग मे विश्व पर्यावरण दिवसक अवसर पर सामाजिक दुरी के ध्यान मे राखैत, एकटा विचार गोष्ठीक आयोजन कयल गेल।

 

विभागाध्यक्ष डॉ अयोध्यानाथ झा विचार गोष्ठी केर संबोधित करैत कहला की भारतीय परिपेक्ष मे हमर संस्कृति पर्यावरण स सीधा जुड़ल रहल अछि। प्राचीन ऋषि-मुनि केर सब काज पर्यावरणक अनुकूल होयत छल। मिथिला केर परिपेक्ष मे जुड़शीतल पाबैनक दिन पर्यावरणक लेल एकटा विशिष्ट दिन होयत अछि जाहि मे गाछ रोपनाय, पोखैरि-नदी स मैंट निकाइल क क्रीड़ा केनाय, गाछ सब केर पटौनी केनाय आदि काज कयल जायत अछि। वर्तमान समयक हमर समाजक किछु नबका लोक केर एतबे बूझ आबैत छैन्ह जे पाबैन-तिहार, संस्कृति, प्रकृति ई सब व्यर्थक सोच अछि। मुदा जेखन स हम सब एकर महत्व केर बुझनाय कम कय देलहुँ तेखन स हम सब बेर-बेर अनेको प्राकृतिक आपदा स पछाड़ल गेलहुँ अछि। जतय हम सब नदी केर गन्दा रहला स ओहि मे नहाय मे संकोच करैत रही, ततय वर्तमान समय मे ई वैश्विक महामारी कोरोना केर कारणे भेल लॉकडाउन केर फलस्वरूप कारखाना सब केर किछु दिन बंद पड़ला स एखन नदीक धारा मे स्वच्छ आ निर्मल जल प्रवाहित भ् रहल अछि। ओजोन परत मे सेहो तेजी स सुधार भेल।

एहि अवसर पर विभाग केर पुरातत्व विषयक खोजकर्ता मुरारी कुमार झा(पुरातत्व) केर द्वारा चलाओल जा रहल अभियान “100 गाछ, एक छत” केर अंतर्गत पर्यावरणक रक्षार्थ गाछ लगाओल गेल। विभागाध्यक्ष महोदय कहला जे मुरारी झा केर ई अभियान वस्तुतः अभिनंदनीय अछि। जौं संसारक मात्र 10% लोक एहन प्रण कय लेलक त संसार सीघ्र प्रदूषण मुक्त भ् जायत। एही स सब लोक केर सीख लेबाक चाही।

मुरारी कुमार झा(पुरातत्व) केर पर्यावरण केर रक्षार्थ चलाओल जा रहल एहि अभियानक आरम्भ 31 मई 2019 के भेल छल जे एहि अवसर पर पूर्णता प्राप्त केलक। राज्य सभाक उप सभापति हरिवंश जी, पूर्व IAS अधिकारी गजानन मिश्र, LNMU केर पूर्व कुलपति प्रो सुरेंद्र कुमार सिंह, इसमाद फाउंडेशन, महाराजाधिराज लक्ष्मीश्वर सिंह संग्रहालय(दरभंगा), AIHA&C केर विभागाध्यक्ष डॉ अयोध्यानाथ झा, डॉ सुधीर चौधरी सहित कतेको विभूति एहि अभियानक साक्षी बनि चुकल छैथि। हिनका सब स भेटल प्रोत्साहन केर फलस्वरूप श्री झा पर्यावरण केर रक्षार्थ अपन आगाँक अभियान “1000 गाछ, एक छत” केर घोषणा केलैन जेकरा अंतर्गत आब 1000 गाछ लगाओल जायत। श्री मुरारी झा एहि अभियानक सूत्रधार भव्या मिश्रा सहित प्रत्यक्ष या अप्रत्यक्ष रूप स मदैद करय बला सब गोटेक प्रति आभार प्रकट केलैन।


3 Comments

Leave a Reply to Mani Bushan Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *