![](https://www.maithilmanch.in/wp-content/uploads/2020/03/mukti2.jpg)
पुणे के “ललना महोत्सव” में लागल मुक्ति झाक मिथिला पेन्टिंग प्रदर्शनी
पुणे । पूजा झा
अन्तर्राष्ट्रीय महिला दिवस के अवसर पर निवेदिता प्रतिष्ठान आ पुणे नगरपालिका के संयुक्त तत्वावधान में “ललना महोत्सव २०२०” के आयोजन दिनांक ६ सँ ८ मार्च २०२० तक कोथरुड पुणे के यशवंतराव चौहान कलादालन में, एड्वोकेट अनुराधा भारती अंतापुरकर जी के संयोजन में कयल गेल छल।
एहि महोत्सव में “स्वच्छ पुणे” विषय पर चित्रकला प्रतियोगिता के आयोजन कयल गेल छल।
एहि महोत्सव में देश भरि सँ प्रमुख महिला कलाकार के कलाविष्कार के प्रदर्शनी “आक्रुती” के आयोजन भेल छल। एहि प्रदर्शनी में मिथिला चित्रकला के सिद्धहस्त कलाकार श्रीमती मुक्ति झा सेहो भाग लेलनि आ सम्मानित भेलीह।
त्रिदिवसीय एहि आयोजन में वरिष्ठ चित्रकार श्री दत्तासाहेब सुतार आ श्री विरेन्द्र कुमार झा के सान्निध्य में पुणे में पहिल एहन कर्यक्रम छल जहिमें मिथिला चित्रकला सम्मिलित भेल आ कोनो मिथिला चित्रकलाक कलाकार एहिमें सहभागी बनलीह।
Aabhar …..