
अटल मिथिला :: प्रतिभा खोज प्रतियोगिता 2020
“मैथिल मंच” आ “युवा संस्कार मिथिला फ़ाउन्डेशन” के संयुक्त तत्वावधान में आयोजित होबयवला मिथिला स्तरीय “अटल मिथिला-प्रतिभा खोज प्रतियोगिता 2020” सम्पूर्ण मिथिला क्षेत्र में आयोजित कयल जायत। एहि प्रतियोगिताक मुख्य उद्देश्य मिथिला क्षेत्र के होनहार छात्र के चयनित कय सम्मानक संग हुनक सहयोग कयनाई अछि।

ई प्रतियोगिता पाँचवाँ सँ बारहवाँ कक्षा तक के छात्र सबलेल होयत आ हर कक्षा के प्रथम तीन(प्रथम, द्वितीय और त्रितीय) के संग 50 सफल छात्र के सम्मानित कयल जायत। एहि प्रतियोगिता के लेल प्रखण्ड स्तर पर परीक्षा केन्द्रक व्यवस्था कयल जायत।
प्रतियोगिता में कक्षा स्तर पर पाठ्यक्रम के संग मिथिला के गौरवमयी इतिहास आ वर्तमान सँ जुडे प्रश्न पूछल जायत। प्रश्नपत्र 100 अंक के रहत जहिमें पाठ्यक्रम स 100 प्रश्न पूछल जायत जहिमें 80 प्रश्नक उत्तर देबय के होयत आ बाकी 50 प्रश्न मिथिला के बारे में रहत जहिमें 20 प्रश्नक उत्तर देनाई अनिवार्य होयत।

एहि प्रतियोगिता के क्रम में समस्त मिथिला क्षेत्र में विभिन्न कार्यक्रम के द्वारा जनगणना 2021 में मातृभाषा मैथिली (भाषा कोड 162) चुनबाक लेल जनजागरण कयल जायत, संगहि सम्पूर्ण मिथिला के गौरवमयी इतिहास के जानकारी के गाँव-गाँव तक पहुँचाकय मिथिला आँदोलन लेल अलख जगाओल जायत।

एहि प्रतियोगिता के लेल नामांकन 2 जुलाई 2020 से 15 अक्टूबर 2020 तक होयत आ परीक्षाक आयोजन 1 नवंवर 2020 सँ 15 नवंबर 2020 तक कयल जायत।
एहि प्रतियोगिताक परिणाम के घोषणा समारोहपूर्वक दिनांक 21, 22 आ 23 नवंबर 2020 के घोषित कयल जायत।






