अन्नपूर्णा ट्रेडिंग्स उपलब्ध करबा रहल अछि प्रवासी लोकनि के रोजगार संग क्षेत्र में COVID-19 सँ बचाव लेल जागरण कय रहल छथि विभूति चौधरी

दरभंगा: चाईनीज वायरस-कोरोना के एहि संक्रमण काल में सेनिटाइजर आ मास्क बाजार में अपन जगह बना लेने अछि। कमोबेश सब प्रमुख कंपनी सबकें सेनिटाइजर बाजार सँ गायब अछि, मास्क के त हाल नै पूछू। लॉकडाउन में जतय रोजगार के संकट अछि, ओतय मास्क निर्माण के कारोबार आब कुटीर उद्योग का रूप लय चुकल अछि। कुटीर उद्योग के तहत जिला के हायाघाट प्रखंड क्षेत्र के आनंदपुर में अन्नपूर्णा ट्रेडिंग के द्वारा कोरोना संकटकाल में सुरक्षा आ रोजगार की दृष्टि सँ COVID-19 प्रोडक्ट्स जेना सैनिटाइजर, हैंड वॉश, मास्क, हैंड गलब्स आ फिनायल आदि के उत्पादन कयल जा रहल अछि।

पेशा सँ इंजीनियर विभूति चौधरी कहलथि कि लॉकडाउन के वजह से बढ़ैत बेरोजगारी के देखैत ओ अन्नपूर्णा ट्रेडिंग उद्योग फार्म के प्रारंभ कयलन्हि। एकर मुख्य उद्देश्य अछि सिलाई-कटाई जानयवला बाहर सँ लौटल प्रवासी लोकसब द्वारा तरह-तरह के कॉटन आ खादी के मिथिला पेंटिंग युक्त डिजायनर मास्क बनवाकय बाजार में किफायती दर में उपलब्ध करबेनाई।

चौधरी कहय छथि कि कोरोना सँ लड़बाक हेतु अभियान चलाकय समाज के सब लोकसबकें जागरूक कयल जायत | सैनेटाइजर, मास्क आदि के उपयोग सँ कोविड-19 सँ बचाव के संग-संग रोजगार सेहो बढ़त। ओ कहलथि कि हुनक सबके कोशिश छनि कि बेसी सँ बेसी प्रवासी के एहिमें रोजगार भेटय आ प्रवासी लोकनि के दोबारा बाहर जेबाक आवश्यकता नै पड़य।


1 Comments

  1. बहुत नीक 👌,

    आनंदपुर में कतय?

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *