युवालोकनि के सामाजिक आ जनकल्याण सँ जुड़ल काज में अग्रसर हेबाक चाही :: अमरनाथ गामी

Image

मैथिल मंच के तरफ सँ आई मणिभूषण राजूपुरुषोत्तम वत्स, वर्तमान समय में गलत व्यवस्था पर सीधे रूप से चोट करयवला आ अपन बात बेबाकी सँ राखयवला सरल व्यक्तित्व के स्वामी, प्रखर वक्ता हायाघाट के वर्तमान विधायक श्री अमरनाथ गामी जी सँ शिष्टाचार भेंट कयलथि।
कोरोना के एहि विकराल महामारी के समय मे अपन क्षेत्र आ दरभंगा शहर में सतत राहत कार्य के सफल नेतृत्व करबा लेल मंच के तरफ सँ विधायक जी के मिथिलाक परम्परानुसार मिथिला पेंटिंगयुक्त पाग, चादर आ मिथिला पेंटिंग सँ अभिनन्दन कयल गेल।
लगभग दू घंटा सँ बेसी समय में विस्तार सँ मिथिला के सामाजिक आ राजनैतिक मुद्दा पर गहन चर्चा भेल। ई जानि खुशी भेल जे विधायक जी विगत एक साल सँ मंच के क्रियाकलाप पर ध्यान राखय छथि आ बहुत रास त्रुटि के ध्यानाकर्षण करबैत केवल सामाजिक आ जनकल्याण सँ जुड़ल मुद्दा पर ध्यान केन्द्रित करबाक विचार देलन्हि।
एखन के समय में विधायकजी सबसँ बेसी कोरोना के महासंकट पर जनसेवा आ जागरूकता हेतु काज करबाक विचार देलन्हि आ कहलनि कि वर्तमान स्थिति के देखैत केवल सरकार के भरोसे एकर तुरत समाधान मुश्किल अछि तैं समस्त युवालोकनि एक संकल्प लय एहि लड़ाई मे आगा आऊ आ अपन, अपन परिवार संग जनमानस के सुरक्षा हेतु यथासंभव प्रयास करू।
एकटा सहयोगी, मार्गदर्शक आ संरक्षक हर रुप में सामाजिक आ जनकल्याण सँ जुड़ल काज लेल सतत संग आ समर्थन के आश्वासन देलन्हि।
समस्त मंच के तरफ सँ आभार प्रकट करैत मणिभूषण राजू आ पुरुषोत्तम वत्स आगाक परियोजना में विधायक जी के मार्गदर्शन आ संरक्षण लेल पुन: अभिनन्दन कयलन्हि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *