एकटा संस्थाक प्रधानमंत्री स्व०आर० सी० चौधरी जीक प्रति श्रद्धासुमन अर्पित :: लालदेव कामत

Image

एकटा संस्थाक प्रधानमंत्री स्व०आर० सी० चौधरी जीक प्रति श्रद्धासुमन अर्पित

मधुबनी जिला मुख्यालय लगहक स्वाधिनता सेनानी गणक प्रसिद्ध गाम छी- शाहपुर । आई सँ 83 साल पूर्व एहिठमक स्व० मारकण्डे चौधरीजी आ स्व० बाबादाई देवी जीक घर दि० 7 जुलाई 1937 ई०केँ एक फरहर शिशुक जन्म भेलनि जे छलाह- स्वनाम धन्य श्री रामचन्द्र चौधरीजी। बाल्यकालहि सँ सुसंस्कारित आ प्रखर प्रतिभावान रहथि ओ। ऐसी गामक आदरणीय स्व० विष्णुदेव चौधरी-मास्टरसाहेब ओतय गेल रही हम,तँ हुनका देखने छलहूँ। राजगीर आ वर्धामे सेहो भेंटघाट हुनका सँ भेल रहय। सुनकर निधन 1-1-2015ई०सँ सालभरि पूर्व हटनीहाट स्थित डॉ० एस०प्रसाद जीलग बैसी गप्पसप्प हमरा सेहो भेल छल। आजादिकवाद आचार्य विनोबा भावे जीक ग्राम दान-भूदान आन्दोलन आ लोकनायक जयप्रकाश नारायण जी बिहार सर्वोदय मंडल आ ग्राम निर्माण मंडल केँ संगहि सन 1974 केँ संपूर्ण क्रांति अभियानमें सक्रिय योगदान हुनक भेलनि । स्वर्गीय चौधरी जी समाजवादी नेता डॉ राम मनोहर लोहिया सँ बेसी प्रभावित भए रचनात्मक कार्यक्रममें आजीवन समय दैत राष्ट्रीय स्तर के सर्वोदय नेताक रूपमें स्थान बनेलनि । शाहपुर गाम पुरान समय सँ बहुत रास ग्रेजुएटक गाम थीक आ भूतपूर्व राज्यमँत्री स्व० रामफल चौधरी जीक मातृक आ पूर्व आईएएस मणीकांत आजाद जीके सासुर सेहो । जतय तत्कालीन दरिभंगा जिलाक कलेक्टर महोदय केँ ग्राम प्रवेश सँ पूर्व 5 बुजुर्गक सहमति धरि लेबय परैक । से प्रभाव बनेवामे ७८ वर्षीय चौधरी जीक विशेष परोक्ष योगदान रहैक।ओ सोशलिस्ट समाजसेवीमे मूर्धन्य विद्वान रहथि। ‘जन’ नामक हिंदीपत्रिका अपना हाथे बहुतो प्रिय लोकक बीच वितरण करैत रहलाह। प्रादेशिक आ राष्ट्रीय स्तर पर कतेको संगोष्ठी के केंद्र बिंदु सेहो बनल रहलाह । गांधी विनोबा जयप्रकाश धाराके आगूआ बनैतो गांधी लोहिया जयप्रकाश धाराके सेहो मजबूत करयमे समाज सेवा भाव अपना मेँ भरने रहथि। है 4 दर्जन संस्था संगठन में पदधारी रहैत समाज सेवाक अहर्निश कार्य मे जीवन पर्यंत तल्लीन रहला। जय जगत आ विश्व शांति नाराके श्रधानि्वत भावसँ मानैत आगू बढवैत रहलाह। हिनक काजक लेखा जोखा छोटछीन अय जीवनीमे संभव नहि भ’ सकल। कृषि विज्ञान केंद्रक वरीय वैज्ञानिकगण आ खादी ग्रामोद्योगक पैघ स्तरके कर्नधार सभ सेहो मार्गदर्शन हुनका सँ लैत रहैक। हिनक स्नातक धरिक शिक्षा अविभाजित दरभंगा जिलामें भेलरहिन। एहि दूरदृष्टि आ उन्नत विचारक स्वर्गीय चौधरी जीक गांवके श्री उदय कांत चौधरीजी एडवोकेट, बिहार विधान परिषदक सदस्य धरि जद०(यू०) सँ पूर्वमें भेलाह। एखन एही उपेक्षित अति पिछड़ी वर्ग अनेकसर एक केवट उपजाति सँ भाजपा जदयू राज्य सरकारमें क्यो व्यक्ति विधान परिषद रूपमें सदस्य मनोनीत नहि छथि। बाबू रामचंद्र चौधरी जीक महान आत्माके शांति हुअय ताहिलेल विनीत भावसँ विशेष श्रद्धांजलि आ पुष्पांजलि सादर समर्पित करैत छी।

Imageलालदेव कामत
लेखक एवं स्वतंत्र पत्रकार

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *