दरभंगा पब्लिक स्कूल में भेल मैथिली कम्प्यूटेशन संसाधन पर दूदिवसीय कार्यशालाक आयोजन

दरभंगा पब्लिक स्कूल में भेल मैथिली कम्प्यूटेशन संसाधन पर दूदिवसीय कार्यशालाक आयोजन

दरभंगा । आशीष चौधरी

मैथिली भाषा के प्रतिभागी सबकें मैथिली कम्प्यूटेशन संसाधन के विषय में जानकारी देबाक लेल आ मैथिली भाषाक क्षेत्र में एहि तरहक काज करय लेल उत्साहवर्धन हेतु भारतीय भाषा संस्थान द्वारा आयोजित दूदिवसीय कार्यशालाक समापन मंगल दिन भेल।
भारतीय भाषा संस्थान, मैसूर आ दरभंगा पब्लिक स्कूल, दरभंगा के संयुक्त तत्वावधान में मैथिली भाषा कम्प्यूटेशन कार्यशालाक आयोजन कयल गेल।

भारतीय भाषा संस्थान के सहायक निदेशक डॉ. नारायण चौधरी कहलथि कि कम्प्यूटेशन संसाधन कार्यशालाक क्रम में मैथिली भाषाक तकनीकी विकास आ एहि लेल रॉ मटेरियल जुटाबय के लेल कम्पयूटर के माध्यम सँ अनेकों प्रकार के परियोजना सबपर काज कयल जा सकैत अछि। भारत सरकार के विज्ञान आ प्राद्यौगिकी मंत्रालय सहित अन्य मंत्रालय सब द्वारा भाषा तकनीक के क्षेत्र में काज करयवला लोक के आर्थिक सहायता देल जाईत अछि। निजी क्षेत्रक औद्योगिक कंम्पनी सबमें सेहो भाषा तकनीक के जानकार लोक के नीक रोजगार प्रदान कयल जाईत अछि।
डॉ. चौधरी कहलथि कि अन्य भाषाक प्रशिक्षित लोक एहि क्षेत्र सँ लाभ उठा रहल छथि आ आब मैथिली भाषा कें प्रतिभागी लोकनि के सेहो एहि क्षेत्र में लाभ भेटि सकैत अछि।

दरभंगा पब्लिक स्कूल के संरक्षक प्रो. डॉ. लालमोहन झा प्रतिभागी लोकनि के प्रोत्साहित करैत कहलथि कि भाषा के तकनीक के माध्यम सँ अगर आर्थिक लाभ भेटय तँ भाषाक आर नीक सँ विकास भय सकैत अछि।

डॉ. शिव कुमार मिश्र कार्यशालाक आयोजन हेतु भारतीय भाषा संस्थान, मैसूर के प्रति आभार व्यक्त कयलन्हि आ एहितरहक कार्यशालाक वृहत रूप पर आयोजन करबाक लेल आग्रह कयलन्हि। डॉ. मिश्र , मैथिली भाषाक शिक्षक लोकनि लेल कम्पयूटर प्रशिक्षणक अनिवार्यता लागू करबाक आवश्यकता पर जोर देलन्हि।
कार्यशालाक अंत में जाँच परीक्षाक आयोजन भेल जहिमें प्रथम स्थान मुरारी मोहन, द्वितीय स्थान डॉ. सुशांत कुमार आ तृतीय स्थान मणिभूषण राजू आ विजय कुमार झा के भेटलन्हि।

कार्यशालाक समापन समारोह में निफ्ट, पटना के असिस्टेंट प्रोफेसर डॉ. जयन्त कुमार, दरभंगा पब्लिक स्कूल के प्रिंसिपल डॉ. मदन कुमार मिश्र, वैद्य गणपति नाथ झा, तकनीकी विशेषज्ञ मुकेश कुमार झा, भारतीय भाषा संस्थान के रिसोर्स पर्सन डॉ. दिनेश कुमार मिश्र के अलावा अनेकों प्रतिभागी उपस्थित छलथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *