चन्द्रकला देवी

Image

#चन्द्रकला_देवी
#मिथिला_कला_रक्षा_संकल्प हेतु आयोजित #मिथिला_चित्रकला_प्रतियोगिता_2019 के संग सैकड़ो के संख्या में कलाकार प्रतिभागी बनि सम्मिलित भय अपन संग आ समर्थन कयलन्हि।
एहि में मातृशक्ति रूप में जुड़लीह वरिष्ठ मिथिला पेंटिंग कलाकार #श्रीमती_चन्द्रकला_देवी। चन्द्रकला जीक नैहर #जनकपुरधाम_नेपाल अछि आ सासुर #लाईट_हाउस_दरभंगा छन्हि। मिथिला पेंटिंग में 2011 में राज्यस्तरीय पुरस्कार प्राप्त
#चन्द्रकला_जी मिथिला पेंटिंग के वरिष्ठ कलाकार छथि आ संगहि अपन संस्थाक संग मिथिला पेंटिंग के क्षेत्र में अनेको कलाकार हेतु रोजगारक व्यवस्था कयने छथि।
Image
.
एतेक पैघ कलाकार एकटा सामान्य प्रतिभागी बनि एहि अभियान के संग एलीह आ नियमपूर्वक सतत प्रतियोगिता में सक्रिय रहि समयपूर्व सबटा काज कयलीह।
संगहि #विद्यापति_सेवा_संस्थान_दरभंगा द्वारा आयोजित #सैंतालिसम_मिथिला_विभूति_पर्व_समारोह में समम्मान हेतु #पाग आ #दोपटा के तैयारी कयलन्हि।
Image
#मिथिला_चित्रकला_प्रतियोगिता_2019 के सफलता हेतु हिनक सहयोग आ समर्थन हेतु समस्त #मैथिल_मंच परिवार के तरफ सँ अभिनन्दन आ वंदन …….
अभियान में सबसँ वरिष्ठ कलाकार के रूप में #आरती_झा #संस्थापिका #सखी_बहिनपा_मैथिलानीक_समूह द्वारा सम्मानित होईत #चन्द्रकला_देवी_
संलग्न फोटो में चन्द्रकला जी द्वारा प्रतियोगिता में बनाओल पेंटिंग अछि।
.
.
जय मिथिला
जय जय मैथिल

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *