डाबर इंडिया लिमिटेड द्वारा नि:शुल्क आयुर्वेदिक चिकित्सा जाँच शिविरक आयोजन

दरभंगा । 12 मई 2019 (रवि दिन)

Image
मैथिल मंच आ विश्व आयुर्वेद परिषद, बिहार के मिथिला प्रभाग के संयुक्त तत्वावधान में डाबर इंडिया लिमिटेड के द्वारा एक दिवसीय नि:शुल्क आयुर्वेदिक चिकित्सा जाँच शिविर के आयोजन गेहुँमी के वैदेही नगर के पार्क में कयल गेल।
शिविर में वैद्य गणपति नाथ झा के नेतृत्व में अनेकों विशेषज्ञक द्वारा ढ़ाई सौ सँ बेसी लोक के आरोग्य परामर्श देल गेल । प्रमुख चिकित्सक सबमें वैद्य गणपति नाथ झा, वैद्य जगदीश शाह (वरीय चिकित्सक दरभंगा), वैद्य राजेश्वर दूबे(प्रोफेसर आयुर्वेदिक कालेज, दरभंगा), वैद्य अमरनाथ मिश्र (विश्व आयुर्वेद परिषद, बिहार के चिकित्सा प्रकोष्ठ पटना), वैद्य आनंद मिश्र (व्याख्याता (एस.एम.एस.जे.एस.सी.एच SMSJSCH भिखारी चौक, छपरा)
आदि आरोग्य परामर्श देलथि आ डाबर इंडिया लिमिटेड के तरफ सँ ए.एस.ओ. डा. कमलेश कुमार सिंह, संजय कुमार झा, एवं रौशन कुमार पाण्डेय जी ब्लड प्रेसर, मधुमेह आदि के नि:शुल्क जाँचक संग किछु विशेष रोग सबलेल नि:शुल्क दवाई उपलब्ध करबाओल गेल। जांच शिविर में प्रमुखतया उदरविकार सँ पीड़ित (पेट से संबंधित) रोगी ज्यादा देखल गेल आ संग में चर्मरोग, गठिया, जोड़दर्द, श्वांस आदि के समस्या सबसँ ग्रसित अनेक रोगी सबहक संख्या देखल गेल।

Image
दरभंगा आ आसपासक क्षेत्र में एहि शिविर के लय क विशेष उत्साह देखल गेल। दरभंगा, मधुबनी आ सीतामढ़ी सँ लोक शिविर में आरोग्य परामर्श लेबय लेल आयल छलाह। मिथिला मैथिली अभियानी डा. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ , इतिहासविद डा. अयोध्या नाथ झा, मधुबनी सँ वरिष्ठ समाजसेवी श्री प्रफुल्ल चन्द्र झा , सीतामढ़ी सँ आनंद मोहन भारद्वाज, पटना सँ श्रीमती नगीना मिश्रा, श्री आशीष चौधरी, श्री प्रदीप कुमार के संग सैकड़ों गणमान्य लोक आरोग्य परामर्शक लाभ लेलथि।
मैथिल मंचक समस्त टीम, विश्व आयुर्वेद परिषदक सदस्यगण के संगहि लक्ष्मीनगर के वार्ड पार्षद श्री सोहन यादव, शिवधाराक वार्ड पार्षद लालाभाई , आलमनगर वार्ड पार्षद श्री गौरी मंडल, वरिष्ठ समाजसेवी श्री इन्द्र कुमार झा मार्गदर्शन संग आयोजन में सहयोग कयलन्हि। कार्यक्रम स्थलक उपलब्धता, आगंतुक चिकित्सकगण आ अतिथिगणक स्वागत सम्मान संग कार्यक्रम के सफल बनेबाक लेल पार्षद श्री सोहन यादव जी के विशेष धन्यवाद आयोजक वैद्य गणपति नाथ झा के द्वारा ज्ञापित कयल गेल।

Discover Multiple Talent के तरफ सँ श्री आनंद मोहन भारद्वाज जी आधुनिक टेक्नोलॉजी के संग उपलब्ध डर्मेथोग्राफिक टेस्ट आ ओकर बारे में विस्तार सँ चर्चा कयलन्हि आ एकर फायदा आमजन संग डाबर सँ आयल अतिथिगण आ उपस्थिति चिकित्सक गण सँ साझा कयलन्हि, सबगोटे एहि सँ प्रभावित भेलाह आ एकर बारे में एकटा विशेष शिविर के तैयारी करबाक विचार देलन्हि।

ज्ञातव्य हुए कि गेहुँमी गामक वैदेही नगर में दरभंगा नगर निगम द्वारा भव्य पार्कक निर्माण भय रहल अछि। आयोजन में उपस्थित प्रबुद्धजन के संग स्थानीय लोक सब मिलकय एहि पार्क के नामांकरण पर सेहो संक्षिप्त चर्चा कयलनि आ माननीय डा. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ और मिथिला अभियानी डा. अयोध्यानाथ झा , वैद्य गणपति नाथ झा, वरिष्ठ समाजसेवी श्री प्रफुल्ल चन्द्र झा सबगोटे मिलकय एहि पार्कक नाम “मिथिला केसरी बाबू जानकीनन्दन सिंह” के नाम पर करबाक प्रस्ताव देल गेल जेकर उपस्थित समस्त लोकसब एकमत सँ समर्थन कयलथि आ एहि प्रस्ताव के अमल में लाबयलेल आगा नियमतया कार्रवाई करबाक प्रतिबद्धता जतौलनि। विदित होई कि मिथिला केसरी बाबू जानकीनन्दन सिंह मिथिला के सबसँ समर्पित आ मजबूत नेता के संग दरभंगा डिस्ट्रिक्ट बोर्ड के पहिल अध्यक्ष सेहो छलथि। ई एकटा विडंबना अछि कि आई हिनकर नाम पर दरभंगा में एकटा स्मारक या कोनो स्थल नहिं अछि । एहन स्थिति में केवल दरभंगा टा नहिं समस्त मिथिलाक लोकक लेल गर्वक बात होयत अगर दरभंगा नगर निगम द्वारा बनाओल जा रहल पहिल आधुनिक पार्कक नामांकरण मिथिला केसरी स्व. बाबू जानकीनन्दन सिंह के नाम पर होई।
कार्यक्रम के क्रम में युवा नेता आ वार्ड पार्षद श्री सोहन यादव, पार्षद लालभाई, आ वरिष्ठ समाजसेवी श्री इन्द्र कुमार झा द्वारा आयल चिकित्सकगण सबकें मिथिला पेंटिंग दय सम्मानित कयल गेल।

Image

मैथिल मंच के मार्गदर्शक श्री प्रफुल्ल चन्द्र झा और वैद्य गणपति नाथ झा जी द्वारा अतिथिगण में पार्षद सोहन यादव, पार्षद संग क्षेत्रीय नेता लालाभाई, आ श्री इन्द्र कुमार झा जी के मिथिला पेंटिंग सँ सम्मानित कयल गेल।

Image
कार्यक्रम के अंत में मैथिल मंच के मार्गदर्शक श्री प्रफुल्ल चन्द्र झा द्वारा डाबर इंडिया लिमिटेड के प्रतिनिधि आ एहि शिविर के मुख्य आयोजक और सूत्रधार (एस.एस. ओ.) डा. कमलेश कुमार सिंह, श्री संजय कुमार झा आ श्री रौशन कुमार पाण्डेय जी के मैथिल मंच के तरफ सँ मिथिला पेंटिंग सँ सम्मानित कयल गेल।

Image

कार्यक्रम के अंत में वरिष्ठ वैद्य अमरनाथ मिश्र जे पटना सँ विश्व आयुर्वेद परिषद सँ आयल छलथि ओ कहलथि जे आयुर्वेद के प्रसार गाम-गाम तक होय एहि लेल एहन शिविरक आयोजन सतत करबाक आवश्यकता अछि आ परिषद हर तरहक सहयोगक आश्वासन देलन्हि आगाक शिविर हेतु।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *