नवी मुंबई मैथिल ट्रस्ट, मुम्बई
“नवी मुंबई मैथिल ट्रस्ट : संक्षिप्त परिचय”
-मुरारी ठाकुर, सचिव।
*********
नवी मुंबई स्थित प्रवासी मैथिल समाजक जीवनमे सार्थक चिंतन एवम् सामाजिक उद्वेश्य पूर्ति हेतु सामंजस्य स्थापित करेबाक दृढ़ निश्चयकें केन्द्रमे राखि “नवी मुंबई मैथिल ट्रस्ट” केर स्थापना कयल गेल । सामाजिक, सांस्कृतिक तथा आर्थिक रूप सँ सशक्तीकरणक श्रेष्ठताकें सहज रूपें कोन प्रकारें प्रतिपादित कयल जाय आदि अनेकों विचारधाराकें गहन चिंतन-मनन कयला उपरांत किछु प्रतिबद्ध मैथिली अनुरागी दिनांक २२ दिसम्बर, २०१४ ईस्वीकें नवी मुंबई स्थित “कलंबोली” क्षेत्रमे “नवी मुंबई मैथिल संघ” (सम्प्रति पंजीकृत भेला उपरांत संघ ‘ट्रस्ट’ मे परिवर्तित भेल) गठित करबाक संकल्प लेलनि तथा दिनांक २९ दिसम्बर, २०१४ कें खारघर स्थित सेन्ट्रल पार्कमे “नवी मुंबई मैथिल संघ” केर रूपमे विधिवत गठन करैत सामाजिक सेवाक यात्राक शुभारंभ कयल गेल।
अपन गठनक उपरांत ट्रस्ट निर्णय लेलक जे नवी मुंबईमे एक एहेन अभियानक शुभारंभ कयल जाय, जाहि सँ प्रवासी मिथिलावासीक सटीक संख्याक जानकारी उपलब्ध भऽ सकय। हलाँकि ई काज थोड़ेक दुरूह छल, मुदा संकल्प सिद्धिक परिपूर्णताक लेल कयल गेल अभियानक परिणाम आशानुरूप रहल। एहि अभियानक मूल उद्देश्य छल यत्र-तत्र पसरल मैथिल समाजकें चिन्हित करैत, एक एहेन मंच उपलब्ध करायब, जकरा माध्यमे मैथिलजन एक-दोसर सँ जुड़ल रहथि। विभिन्न दल बनाय पनवेल सँ ऐरोली धरि जनजागरण अभियानक शुभारंभ भेल। परिणामस्वरूप हजारोंक संख्यामे प्रमाणिक सूचि संकलित कयल गेल। ट्रस्ट द्वारा एक आवेदन-पत्र प्रकाशित भेल। जाहिमे व्यक्तिक सम्पूर्ण विवरण यथा गाम तथा वर्तमान निवास स्थलक जानकारी संग्रहीत कयल गेल। सुखद आश्चर्य जे अभियानमे प्रवासी मिथिलावासी सेहो बढ़ि-चढ़ि भाग लेलनि।
एक नवगठित सामाजिक संगठन केर रूपमे समाजक मध्य अपन पहचान सुनिश्चित करेबाक लेल “मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह” आयोजित करेबाक प्रस्ताव आयल, जाहिकें तुरत अनुमोदित कयल गेल। डाटा संकलनक अभियानके विश्राम दैत सर्वसम्मति सँ ०४ अक्टूबर, २०१५ ईस्वीकें वाशी स्थित सिडको प्रदर्शनी प्रेक्षागृहमे झमटगर समारोह आयोजन करबाक तिथि तय भेल। समारोहक तैयारी प्रारम्भ भेल। समारोहक मुख्य अतिथिक रूपमे नवी मुंबईक तत्कालीन पुलिस आयुक्त प्रभात रंजन आमंत्रित कयल गेलाह। एकर अतिरिक्त अतिथिगणमे डाॅ० संदीप झा, चेयरमैन, संदीप विश्वविद्यालय, ज्ञानेश्वर दूबे, प्रसिद्ध संगीतकार तथा कमला कान्त झा, भूतपूर्व अध्यक्ष, मैथिली अकादमी, बिहार सरकार एवम् ख्यातिप्राप्त मंच संचालक, आमंत्रित कयल गेलाह। स्वागताध्यक्ष केर रूपमे शुभ चन्द्र मिश्र, प्रख्यात समाजसेवी, भूतपूर्व पोर्ट ट्रस्टी, अपन उपस्थितिक संस्तुति प्रदान कय, ट्रस्टक पदाधिकारीकें उत्साहित कयलनि। समारोहक मुख्य आकर्षणक केंद्र सांस्कृतिक कार्यक्रम होयत छैक। गायक कलाकारमे मती पूनम मिश्र (मधुबनी) तथा सुरेश आनन्दजी आकर्षण केन्द्र बनलाह। चुँकि ट्रस्टक पहिल सार्वजनिक आयोजन छल, एहि अवसर पर स्मारिका सेहो प्रकाशित कयल गेल। आयोजनक दिन सभागारमे उपस्थित समस्त दर्शक लोकनिके स्मारिका वितरित कयल गेल। कार्यक्रमक उपरांत नवी मुंबईमे रहनिहार प्रवासी मैथिल समाजक रूचि ट्रस्ट सँ जुड़ल। ट्रस्टक सामाजिक कार्य करैत रहल।
आउ, नवी मुंबई मैथिल ट्रस्ट द्वारा कयल गेल किछु महत्वपूर्ण कार्यक दिग्दर्शन करी:
१) मिथिलामे २०१७ ईस्वीमे आयल विनाशकारी बाढ़ि सँ बेहाल पीड़ित मैथिलजनके सहायतार्थ वस्त्र एवम् खाद्य-सामग्री एकत्रित कय आबंटित कयल गेल। एतबहिं नहि बिहार सरकारक मुख्यमंत्री राहत कोषमे ₹१,०१,०००/- (एक लाख एक हजार टाका) जमा कराओल गेल।
२) प्रद्युम्न हत्याकांड सदृश नृशंस अमानवीय घटनाकें तीव्र प्रतिवाद करैत सैकड़ों मैथिलसेवीक संग खारघर (नवी मुंबई) स्थित उत्सव चौक सँ सेन्ट्रल पार्क धरि “कैण्डल-मार्च” आयोजित करैत मिथिलाक नान्हिटा पुत्र प्रद्युम्नक प्रति श्रद्धापुष्प समर्पित कयल गेल।
३) बौआ ओम ठाकुरकें इलाजक मादे ट्रस्ट आर्थिक मदति कयने छल। डी वाय पाटिल अस्पताल जे नेरूलमे स्थित अछि, हिनक इलाजक सम्पूर्ण खर्चा वहन कयने छल।
४) ०७ जून, २०१७ ईस्वीकें मुंबई सँ प्रकाशित दैनिक अखबार नवभारत टाइम्समे, तथाकथित हिन्दी साहित्यकार अमरनाथ शर्मा द्वारा विवादास्पद आलेख जेकर शीर्षक छल “मैथिली को हिन्दी में सेंध लगाने का हक क्यों” प्रकाशित भेल छल। मैथिली भाषाक प्रति दुर्भावना सँ ग्रसित आलेखक प्रतिवादमे नवी मुंबई मैथिल ट्रस्टक प्रतिनिधिमंडल, दिनांक ०९ जून, २०१७ ईस्वींके मुंबई स्थित नवभारत टाइम्स केर प्रधान सम्पादककें विरोध-पत्र सौंपलक।
५) मिथिलामे पाबनि-तिहार मनेबाक विलक्षण प्रथा अछि। जाहिमे फगुआ मनेबाक कतेक बखान कयल जाय। गाम-घरमे जाहि तरहें फगुआ मनायल जायत अछि तकर सद्य: स्वरूपक मनोहारी प्रस्तुति विगत् सात वर्ष सँ ट्रस्ट द्वारा आयोजित कयल जायत आबि रहल अछि। मैथिल समाजक विभिन्न वर्ग-समुदाय हर्षोल्लासपूर्वक एक संग उपस्थित भऽ फगुआ मनाबैत छथि। अबीर-गुलालक रंगमे डूबल, भंगक तरंगमे झूमैत, ढ़ोल-डम्पाक मिश्रित स्वर-माधुर्यतामे जोगीराक तानमे उमकैत, विहंगम दृश्य देखि गाम-घरक फगुआक दृश्य जीवंत भऽ उठैत अछि।
६) नवी मुंबई मैथिल ट्रस्ट, १४ जनवरी, २०१८ कें (मकर-संक्रान्तिक) न्यू इंग्लिश स्कूल, कामोठे शहरमे (नवी मुंबई) पुन: दोसर “मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह” आयोजित कयलक। जाहिमे मिथिलाक प्रख्यात गायक पं० कुंज बिहारी मिश्र एवम् गायिका जूली झा द्वारा पारम्परिक गीत-संगीत प्रस्तुत कयल गेल। कार्यक्रमक मुख्य अतिथि स्थानीय विधायक प्रशांत ठाकुर तथा सम्मानमूर्तिक रूपमे शुभ चन्द्र मिश्र मंचस्थ भऽ समारोहक गरिमा-वर्द्धन कयलनि। मंच संचाल गोविन्द पाठक द्वारा कयल गेल। आयोजनक अवसर पर स्मारिका केर प्रकाशन कयल गेल।
७) ०२ जनवरी, २०१८ कें केन्द्र सरकारक दू गोट केन्द्रीय मंत्री महेश शर्मा, प्रकाश जावड़ेकर तथा उत्तरप्रदेशक उपमुख्यमंत्री दिनेश शर्मा द्वारा मैथिलीक विरूद्ध देल गेल बयानक भर्त्सना करैत, विरोध-स्वरूप पत्र देल गेल। जनतब दी जे तत्कालीन केन्द्रीय शिक्षा मंत्री मैथिलीके बोली कहने छलाह।
८) महाराष्ट्रक तत्कालीन विधायक सुरेश धस द्वारा बिहार तथा मिथिलावासीक प्रति देल गेल अमर्यादित बयानक विरोधमे नवी मुंबई मैथिल ट्रस्ट, दिनांक ११ जनवरी, २०१९ कें महामोर्चा निकालने छल। ई महामोर्चा शिवाजी चौक, वाशीमे आयोजित भेल छल।
९) मैथिली वृत्तचित्र तथा चलचित्रकें जनमानसक मध्य जागरूक बनेबाक लेल तथा मैथिली फिल्म “प्रेमक बसातक” सफल प्रदर्शनक लेल दिनांक २० जनवरी, २०१९ ईस्वीकें खारघर स्थित ग्लोबल होम्स कार्यालयमे बैसार आयोजन कयल गेल छल। जाहिमे ललितेश झा, रूपक सरर, वेदान्त झा उपस्थित भेल छलाह।
१०) २४ जून, २०१९ ईस्वीकें तत्कालीन रेलमंत्री पीयूष गोयलकें दरभंगा, सीतामढ़ीक लेल नव रेलगाड़ी परिचालन हेतु पत्र देल गेल छल।
११) १७ नवम्बर, २०१९ ईस्वीकें बाल-दिवसक विशेष अवसर पर संत तुकाराम महाराज मंदिर परिसरमे “भव्य चित्रकला प्रतियोगिता” केर आयोजन कयल गेल।
१२) नवम्बर, २०२२ मे खारघर स्थित आई माता मंदिर परिसरमे श्रीलक्ष्मीनारायण पंचकुण्डात्मक महायज्ञ तथा श्रीमद्भागवतक आयोजक नवी मुंबई मैथिल ट्रस्ट बनल।
१३) २७ अप्रैल, २०२३ कें बिहारक मुख्यमंत्री श्री नीतीश कुमारकें पत्रक माध्यमें “बिहार मंत्रिमंडल द्वारा मैथिली अकादमीके समाप्त करेबाक दुखद निर्णयक संबंधमे” विरोध व्यक्त कयल गेल।
१४) दिनांक १४ जनवरी, २०२४ कें मैथिलीक पहिल वेव सीरिज “नून रोटी” केर सफल आयोजन नवी मुम्बई मैथिल ट्रस्टक तत्वावधानमे आयोजित कयल गेल। एहि आयोजनक मूल उद्देश्य मैथिली भाषा तथा कलाके प्रोत्साहित करब छल।
१५) दिनांक १७ जुलाई, २०२४ ईस्वींकें सीतामढ़ीक वर्तमान सांसद देवेश चन्द्र ठाकुर कें जुईनगर स्थित वंट्स सभागारमे एक भव्य समारोह आयोजित कय “मिथिला सपूत” सम्मानोपधि द्वारा सम्मानित कयल गेल।
१६) दिनांक ०३ फरवरी, २०२५ कें मिथिलाक सुप्रसिद्ध अन्तरराष्ट्रीय ख्यातिप्राप्त लोकगायिका मैथिली ठाकुरक मुंबई आगमन पर अंधेरी विमानतल पर नवी मुंबई मैथिल ट्रस्ट केर पदाधिकारी मुरारी ठाकुर, अवधेश मिश्र, राजन झा एवम् कृष्ण कुमार झा ‘किसुनजी’ द्वारा मिथिलाक पारम्परिक गौरवक प्रतीक पाग, अंग-वस्त्रम एवम् पुष्प-गुच्छ द्वारा सत्कार कयल गेल।
१७) दिनांक १६ मार्च, २०२५ कें “फागुन सिनेह सांस्कृतिक कार्यक्रम” केर आयोजन वंट्स ऑडिटोरियममे विलक्षणतापूर्वक आयोजित कयल गेल। मैथिलीक सुप्रसिद्ध राॅक स्टार गायिका मिथिलाक धिया प्रिया मल्लिक समेत प्रेम प्रकाश कर्ण, मैथिलीके अलर-बलर फेम सुप्रसिद्ध अभिनेत्री रोशनी झा फिल्म डायरेक्टर प्रकाश झाक संग अविस्मरणीय प्रस्तुति प्रस्तुत कय सभागारमे उपस्थित दर्शकवृन्दकें आह्लादित कयलनि।
१८) वैश्विक संकट कोरोनामे ट्रस्ट पीड़ित जनमानसक मध्य व्यापक अभियान केर तहत् राशन वितरित कयलक।
एवम् प्रकारेण नवी मुंबई मैथिल ट्रस्ट, समाजक सेवाक प्रति समर्पित संगठन केर रूपमे कार्यरत् अछि।
श्री मुरारी ठाकुर, सचिव : 9820615744
