Moni ‘Vaidehi’ :: मोनी ‘वैदेही’


Image

Moni ‘Vaidehi’ :: मोनी ‘वैदेही’

जगत जननी माँ जानकी जीक प्राकट्यस्थली सीतामढ़ी केर बेटी मोनी ‘वैदेही’ लोकप्रिय गायिका छथि।

समाजशास्त्रमे स्नातकोत्तर, दिल्ली विश्वविद्यालय सँ ठुमरी-दादरा केनिहार, गंधर्व महाविद्यालय आ श्रीराम भारतीय कला केन्द्र सँ जुड़ल, मोनी ‘वैदेही’ प्रयाग संगीत समिति सँ प्रभाकर आओर दिल्ली विश्वविद्यालय सँ हारमोनियममे उच्चतर डिप्लोमा कए रहल छथि।

मिथिला केर ई बेटी महज़ साढ़े चारि वर्ष सँ भी कम समयमे अपन एक टा अलग पहचान बनौलीह। अखन धरि लगभग 40 गोट सफल कार्यक्रम कए चुकली मोनी ‘वैदेही’ जी मैथिली, भोजपुरी आ हिन्दीमे गाबैत छथि।

लोकगीत आ समसामयिक गीत सभ लेल हिनका नीक प्रसिद्धि भेटलन्हि।

मैथिली भोजपुरी अकादमी आ साहित्य कला परिषद् , दिल्ली सरकारक संग संस्कार भारती, भारत विकास परिषद् सहित दर्जनों संस्था सँ जुड़ि ई एहि ठाम पहुँचल छथि।

देशक राजधानी नई दिल्लीमे मैथिली लेल काज केनिहार लगभग सभ संस्था लेल ई प्रस्तुति दए चुकल छथि।

दिल्लीमे रहनिहार मैथिली संगीत प्रेमीक बीच नीक पहचान बना चुकली मोनी ‘वैदेही’ मिथिलाक्षर साक्षरता अभियान सँ जुड़ि मार्गदर्शिका केर भूमिकामे छथि।

मोनी ‘वैदेही’ जी मैथिली फिल्म ‘लव यू दुल्हिन’ मे पार्श्व गायिका केर महत्वपूर्ण भूमिकाक संग मिथिला आ मैथिली केर सर्वांगीण विकास लेल काज केनिहार ‘मिथिला स्टूडेंट यूनियन’ सँ सेहो जुड़ल छथि।

बहुत ही कम समयमे सीतामढ़ी ही नहि पूरा मिथिला केर झंडा दिल्लीमे बुलंद कए दर्जनों मंच पर सम्मानित भए चुकल मोनी ‘वैदेही’ जी मिथिला-मैथिली केर आगू बढ़ेबाक लेल हमेशा प्रयासरत छथि।

फेसबुक पर हिनका सँ जुड़बाक लेल हिनक फेसबुक पेज (Moni ‘Vaidehi’ – मोनी ‘वैदेही’) केर like करी। Link :-
https://www.facebook.com/SurMithila/

अहाँ सभ हिनका सँ YouTube Channel मोनी ‘वैदेही’ केर Link :-

संग सेहो जुड़ि सकैत छी।

News of Bihar केर संग हिनक साक्षात्कार अहाँ सभ Link :- https://m.facebook.com/story.php?story_fbid=943206232521056&id=569756766532673 केर माध्यम सँ सुनि सकैत छी।

मैथिली न्यूज केर संग हिनक साक्षात्कार अहाँ सभ Link :- https://m.youtube.com/watch?feature=share&v=6CWsodIJADQ केर माध्यम सँ सुनि सकैत छी।