MLCKP2021-085 NISHITA KUMARI


image

MLCKP2021-085 NISHITA KUMARI

निशिता कुमारी स्नातक के छात्रा छथि आ पटना में रहय छथि। सुमधुर आवाज के संग हिनक मिथिला पेंटिंग सेहो ओतबे कलात्मक आ सुंदर छनि। निशिता कहय छथि कि ई घरमें परम्परागत रूप सँ अपन माताजी श्रीमती सविता झा सँ मिथिला पेंटिंग सिखने छथि, सतत अपन माँ के कोबर आ आन पेंटिंग बनबैत देखलथि आ सिखलथि। पड़ोस में रहयवाली अनामिका झा सँ प्रेरणा लय अपन एहि कला के आगा बढ़ाबय लेल अग्रसर भेलथि निशिता आ आई एतय तक पहुँचलथि। ‘किलकारी बिहार बाल-भवन’ सँ दू साल के प्रशिक्षण सेहो लेने छथि ‘पूर्णिमा मैडम’ सँ आ अपन एहि कला के आगा बढ़ाबय लेल सतत प्रयासरत छथि विभिन्न संस्था के माध्यम सँ।
निशिता कुमारी एकटा नीक मिथिला पेंटिंग कलाकार संगहि नीक गायिका सेहो छथि।