MLCKP2021-013 SUSHMA KUMARI


IMAGE

MLCKP2021-013 SUSHMA KUMARI
हम माता सीताक जन्मभूमि जिला सीतामढ़ी के बेटी सुषमा कुमारी छी। हमर पिताजीक नाम श्री गगन कुमार महतो अछि जे सीसीएल सँ सेवानिवृत्त छथि। हमर माताजीक नाम श्रीमती सूर्यकला देवी अछि आ ओ गृहणी छथि। चारि भाई आ दू बहिन में हम सबसँ छोट छी। हम कला संकाय में भूगोल प्रतिष्ठा सँ बीए आ एमए कयने छी। तत्पश्चात बीएड आ एमएड कय क प्राईवेट कॉलेज में शिक्षिका छी।
हमर रुचि बचपन सँ एहि कला आ शिल्प क्षेत्र में रहल अछि। हमरा मिथिला पेंटिंग के संगहि ओ सब प्राचीन कला में रुचि रखय छी जे अपन देशक पहचान अछि। मिथिला चित्रकला के सुंदरता के वर्णन नै अछि।
हमरा एहि बातक बहुत खुशी अछि कि हम एहि प्रतियोगिता के माध्यम सँ अपन कला के उभारय के मौका भेटल। हम अनेको बेर अपन कला के प्रदर्शन स्कूल स्तर पर कयने छी आ पुरस्कृत भेल छी।
एहि प्रतियोगिता के माध्यम सँ हम एकटा नव पहचान बनाबय चाहब।