MLCKP2021-002 :: Aamna Perween


Image

MLCKP2021-002 :: Aamna Perween

मिथिला लोक-चित्रकला प्रतियोगिता 2021 के दोसर प्रतिभागी छथि कटिहार के बेटी आ रोसड़ा, समस्तीपुर के पुतोहु आमना प्रवीण। हिनक पिताजी मुर्तजा अंसारी कटिहार में बिजनस करय छथिन्ह आ माताजी शाजदा खातून गृहणी छथिन्ह। हिनक शौहर फिरोज आलम अंसारी रोसड़ा, समस्तीपुर में स्वरोजगार करय छथि। बचपन सँ कला में रुचि छलन्हि आ पारंपरिक रूप सँ मिथिला चित्रकलाक संग कलमकारी, पट्टा चित्रकारी आ मंडला आर्ट सब करय छथि।
बी.एससी. आ एम.एससी.(जूलॉजी आनर्स) पूर्ण कयलाक बाद बीएड पूर्ण कय लेने छथि आ सीटेट क्वालिफाइड छथि। कला के क्षेत्र में एकटा अपन पहचान बनेनाइ हिनक लक्ष्य छन्हि।
हिनक बनाओल किछु पेंटिंग्स नीचा देल गेल अछि :-

image