11 जुलाई जन्मदिन विशेष :: पृथक मिथिला राज्यक स्वप्नद्रष्टा स्व. पं. ताराकांत झा


Image

11 जुलाई जन्मदिन विशेष ::  पृथक मिथिला राज्यक स्वप्नद्रष्टा  स्व. पं. ताराकांत झा

पं. श्री ताराकांत झा
पिता :- स्व. पं. आचार्य गयादत्त झा शास्त्री
माता :- स्व. भुवनेश्वरी देवी
मूल :- जजुआरे भडगाम
गोत्र :- शाण्डिल्य
मूल निवासी :- कोइलख —-> हरिपुर डीह टोल ——> शिवनगर ।
शिवनगर एलाह हिनक वृद्धपितामह श्री आत्माराम झा, जिनक विवाह शिवनगर गामक पं. दुर्गादत्त झाक कन्या सँ मूल परिवार हरिपुर पितामह जलधर झा ।
जन्म :- 11 जुलाई 1927 ई.
प्राथमिक शिक्षा :- शाहपुर सँ,
माध्यमिक शिक्षा :- योगियारा सँ
आ मैट्रिक राज स्कूल दरभंगा सँ,
इन्टर :- सी. एम. कालेज दरभंगा सँ ,
वाणिज्य स्नातक :- एच. डी. जैन कालेज आरा सँ ,
बी. एल. :- 1954 ई. में पटना ला कालेज सँ।

17 जनवरी 1952 ई. के पूर्णियाँ निवासी वरीय अधिवक्ता, कोलकता विश्वविद्यालय में मैथिलीक पठन-पाठन प्रारंभ करोनिहार स्व. ब्रजमोहन ठाकुर के पुत्री श्रीमती राजकुमारी देवी सँ विवाह।
तीन संतान 2 पुत्री, 1 पुत्र (मीरा, मीना आ कौशल)।।

1951 ई. में जनसंघक स्थापना संगहि संस्थापक सदस्य आ बिहार प्रदेशक महामंत्री ।

19 मार्च 1956 ई. के पटना उच्च न्यायालय में अधिवक्ता क रूप में निबंधित भेलाह।

2 जनवरी 1958 ई. सँ विधिवत वकालत पटना उच्च न्यायालय में प्रारंभ कयलनि।

दिसम्बर 1967 ई. में पटना उच्च न्यायालय द्वारा ‘अतिरिक्त जिला सत्र न्यायाधीश’ के रूप में मनोनीत भेला पदस्थापन दुमका में भेलनि, मुदा ई पद स्वीकार नहि कयलनि। वकालत पेशा में बिहार सरकार के Advocate General भेलाह। एहि कआल खण्ड में मिथिला मैथिलीक अग्रणी संस्था चेतना समिति के महासचिव आ अध्यक्ष पद के सुशोभित कयलनि । हिनके महासचिव कार्यकाल में चेतना समितिक एतिहासिक कार्यक्रम ‘मोइनुल हक स्टेडियम, राजेन्द्रनगर पटना में भेल छल जे अभूतपूर्व रहल (न भूतो न भविष्यति)।

1980 में भारतीय जनता पार्टी के प्रदेश उपाध्यक्ष ।

1982 ई. सँ 1998 ई. तक भारतीय जनता पार्टी के राष्ट्रीय कार्यकारिणी के सदस्य रहलाह।

1990 ई. में भारतीय जनता पार्टी के प्रदेश अध्यक्ष बनलाह।

22 जुलाई 1992 ई. के बिहार विधान परिषद के प्रथमबेर सदस्य बनलाह।

अगस्त 1993 ई. में पुन: प्रदेश अध्यक्ष निर्वाचित भेलाह। अपन अध्यक्षीय कार्यकाल में बिहार भाजपाक कार्यकारिणी क मधुबनी बैसार में प्रथम बेर कोनो राष्ट्रीय दल द्वारा मैथिली के संविधानक अष्टम अनुसूची में शामिल करबाक एतिहासिक प्रस्ताव पारित भेल, जहि आधार पर NDA सरकार द्वारा मैथिली के संविधान में सम्मिलित कयल गेल।

1995 ई. में मिथिलाक जागरण यात्राक प्रारंभ , मिथिलाक 1000 गामक पदयात्रा कयलनि आ मिथिला के नजदीक सँ जानय के अवसर भेटलनि। 20 नवंबर 1998 ई. के छह साल लेल भाजपा सँ निलंबन।

12 मई 2000 ई. के महामहिम राष्ट्रपति के 27 लाख हस्ताक्षर मैथिली के संविधानक अष्टम अनुसूची में सम्मिलित करबाक लेल समर्पित।

3 अगस्त 2000 ई. के जखन झारखंड, उत्तरांचल, आ छत्तीसगढ़ राज्यक गठन भय गेल तखन 4 अगस्त 2001 ई. के पटनाक माडबाड़ी आवासीय होस्टल में प्रेस कन्फ्रेंस कय मिथिला राज्यक विधिवत मांग कयलनि। “मिथिला राज्य अभियान” द्वारा पुन: मिथिला राज्य लेल रथयात्रा कयलनि।

दिसंबर 2003 ई. क भाजपा सँ निलंबन वापस।

22-23 दिसंबर 2003 ई. के संसदक दूनू सदन में संविधान सशोधन विधेयक पारित भेल आ मैथिली भाषा संविधान में स्थान पाओलक । ताराकांत जी एहि एतिहासिक क्षणक गवाह बनलाह, संसदक दर्शक दीर्घा में उपस्थित भय सम्पूर्ण कार्यवाही क अवलोकन कयलनि।

Image

7 मई 2007 ई. के दोसर खेप विधान परिषदक पार्षद भेलाह।

आ 4 अगस्त 2009 ई. के विधान परिषद के सभापति बनि आसन ग्रहण कयलनि।

4 अगस्त 2009 ई. सँ 6 मई 2012 ई. तक विधान परिषदक सभापति पद के सुशोभित कयलनि।

17 जनवरी 2014 ई. के जनता दल युनाइटेड में सम्मिलित भय गेलाह। जनता दल(यू.) में सम्मिलित भेलाक पश्चात जनता दल(यू.) प्रदेश कार्यालय में मीडिया के सम्बोधित करैत बजलाह:- ” हम राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ (RSS) के स्वयंसेवक छी आ आजीवन रहब। श्री नरेन्द्र भाई मोदी के प्रधानमंत्रीक रुप में देखय चाहय छी आ श्री सुशील कुमार मोदी क चलते दु:खी मन सँ भाजपा छोड़लहुं अछि।” बस्तुत: भाजपा छोड़लाक पश्चात मानसिक आ शारीरिक रुप सँ कमजोर भय गेलाह जकर परिणाम स्वरुप 11मई 2014 ई. के पटनाक रुवन अस्पताल में दिन के 3 बजे लगभग महाप्रयाण कयलनि।