Kunj Bihari Mishra :: कुंज बिहारी मिश्र


Kunj Bihari Mishra :: कुंज बिहारी मिश्र

मिथिला में कही वा देश में कतौ अगर अपनसबके विवाहक गीत बजैत अछि त आवाज सुनि लोक मंत्रमुग्ध भय जाय छथि, ओ आवाज छथि मिथिला रत्न श्री कुँज बिहारी मिश्रजी।
विवाह संकीर्तन, आ विद्यापति गीतक प्रस्तुति में महारतलेने समस्त मैथिल के हृदय पर राज करयवला साधक के रूप में जानल जाईत छथि बरैया टोल, जगतपुर, मधुबनी के पं. कुँज बिहारी मिश्र। एम.ए.(संगीत) संग पी.एच.डी.(शोधार्थी) श्रीमिश्र
वर्तमान में संगीत विभागाध्यक्ष, अयाची मिथिला महाविद्यालय, बेनीपुर, दरभंगा में अपन सेवा दय रहल छथि।
42 वर्ष सँ बेसी मैथिली मंचक अनुभव आ साधना सँ संगीतक विभिन्न विधा ध्रुपद, धमार, छोटा ख्याल, ठुमरी, दादरा, सूफी, गजल, कव्वाली आदि में प्रवीण श्री मिश्र मैथिली के अलावा संस्कृत, हिन्दी, भोजपुरी, मगही, बंग्ला आदि गायन में निपुण छथि।

कुँज बिहारी मिश्र जी सँ सम्पर्क माध्यम :: 9546902520, 7903417191, 9431632977

YouTube Channel ::