Kumud Singh :: कुमुद सिंह


kumud singh101

मैथिल मंच के तरफ सँ एहि नवरात्रि पर अखंड मिथिला केर नौ मिथिलानी के स्तुति वंदन प्रस्तुत अछि।
ई नौ मिथिलानी अखंड मिथिला के परिकल्पना हेतु सतत मिथिला-मैथिली लेल समर्पित रहय छथि आ आजुक समय में मिथिला में जे क्रांति आ जागृति भय रहल अछि ओहि के पाछा हिनक अमूल्य योगदान रहल छन्हि।
आऊ आई कलस्थापन सँ प्रतिदिन एकटा मिथिलानी के स्तुति आ वंदन कय समस्त मिथिला के तरफ सँ आभार व्यक्त करी।
आई प्रथम दिन चर्चा करब आधुनिक समय में अपन ईसमाद पोर्टल सँ मैथिली पत्रकारिता के पुनर्जन्म देबयवाली हमर सबके क्रांतिकारी मिथिला-मैथिली अभियानी कुमुद सिंह जी केर।

11 जुलाई 1981 ई. केर जन्म मिथिला खण्डावला राजवंश केर शंकरपुर इस्टेट (बरगोरिया, जे आब मधेपुरा मे अछि) में भेलन्हि।
एखन पटना में अपन परिवार संग रहयवाली कुमुद आजुक नव पीढ़ी में जे मिथिला के प्रति चेतना जागि रहल अछि ओकर श्रष्टा छथि। हजारों युवा जे विभिन्न वर्ग, विभिन्न विचारधारा सँ जुड़ल छथि आई अगर मिथिला आ मिथिलाक गौरवान्वित इतिहास आ संस्कृति पर गर्व कय मिथिलाक पुनर्निर्माण हेतु अग्रसर भय रहल छथि ओहिमें कतौ ने कतौ कुमुद सिंहक लगातार 14 वर्षक मैथिली पत्रकारिता आ क्रांतिकारी लेखनीक प्रभाव अछि।
मैथिल मंच के मणिभूषण राजू कहय छथि – “जहन हम दिल्ली में नोकरी करैत रही त फेसबुक केर माध्यम सँ पहचान भेल आ अपन मातृभूमि केर गौरवान्वित करयवला इतिहास सँ परिचय भेल ओहिकेर बादे मिथिला एकीकरण के प्रयास प्रारंभ कयल।”

आऊ पढ़य छी नेशनल आ इंटरनेशनल मीडिया में कुमुद सिंह के बारे में लोक की सोचय छथि :-

Fame India & Asia Post recognise ’25 strong women’ in this list

https://psuwatch.com/hot-viral/fame-india-asia-post-recognise-25-strong-women-in-this-list

‘मैं जो कुछ भी हूं फ़ेसबुक की वजह से हूँ’

https://www.bbc.com/hindi/india/2015/11/151117_social_100women_part1_skj

कुमुद ने घर की चारदिवारी से निकल दिखाया अपना जौहर,चलाया मैथिली में पहला ई-पेपर

https://yourstory.com/hindi/fcf5852c72-water-lily-showed-his-mettle-out-of-the-boundary-wall-of-the-house-ran-in

जन सरोकार से जुड़ी बात उठाने में माहिर हैं कुमुद सिंह

https://thefameindia.com/%E0%A4%9C%E0%A4%A8-%E0%A4%B8%E0%A4%B0%E0%A5%8B%E0%A4%95%E0%A4%BE%E0%A4%B0-%E0%A4%B8%E0%A5%87-%E0%A4%9C%E0%A5%81%E0%A4%A1%E0%A4%BC%E0%A5%80-%E0%A4%AC%E0%A4%BE%E0%A4%A4-%E0%A4%89%E0%A4%A0%E0%A4%BE%E0%A4%A8%E0%A5%87-%E0%A4%AE%E0%A5%87%E0%A4%82-%E0%A4%AE%E0%A4%BE%E0%A4%B9%E0%A4%BF%E0%A4%B0-%E0%A4%B9%E0%A5%88%E0%A4%82-%E0%A4%95%E0%A5%81%E0%A4%AE%E0%A5%81%E0%A4%A6-%E0%A4%B8%E0%A4%BF%E0%A4%82%E0%A4%B9-

 

भारत की फोर्ब्स कही जाने वाली ‘फेम इंडिया’ के 25 शसक्त महिलओं की सूची में बिहारन का दबदबा

शायद हम मिथिलावासी लोकनि कुमुदजीक ओ भावना नै बुझि सकलथि आ ओहि रूपे हमसब नै पहचानि सकलौं आ ओ पहचान आ ओ स्थान नै द सकलौं जहि कारणे वा एक तरह सँ कही अपन समाज एहितरक क्रांति के स्वीकार नै कय बहिष्क्रित कयल गेल आ अकेले लड़ैत-लड़ैत कुमुद शांत भय गेलीह।
विगत किछु वर्ष सँ अज्ञात कारण सँ मिथिला के ई बेटी सोशल मीडिया संगहि अपन मूल रूप सँ दूर छथि जे हमरा सबलेल हृदयविदारक अछि। आई कलस्थापना संगहि प्रथम शैलपुत्री के आवाहन करैत माँ भगवती सँ प्रार्थना करय छी कि कुमुद जी जतय कतौ छी, मिथिला के अहाँक जरूरत अछि।पुन: अपन स्वरूप में आबि नवयुवावर्ग के मार्गदर्शन करी।