Kumar Ghanshyam Jha :: कुमार घनश्याम झा (अभिनेता)


Image

Kumar Ghanshyam Jha :: कुमार घनश्याम झा (अभिनेता)

प्रसिद्ध मैथिली सीरियल मास्टर साहेब के बैरिस्टर बाबूमैथिली सिनेमा दुल्हा चोर आ पुतोहु के मुख्य अभिनेता कुमार घनश्याम झा मैथिली लेल एकटा समर्पति मैथिल छथि।
मोतिहारी के भण्डार गामक घनश्याम ओना त बंबई में रहल पढ़ल छथि मुदा हिनक अपन माटि-पानि के प्रति सिनेह अतुलनीय छन्हि। पिता श्री नरेश झा आ माता श्रीमती सरोवर देवी के दुलरुआ बेटा आई पूरा मिथिला के दुलरुआ बनल छथि।

Image
मुंबई में ठाकुर कम्पलेक्स कांदिवली ईस्ट में स्थायी रूप सँ रहनिहार घनश्याम के जन्म 19 जुलाई 1984 के भेलन्हि आ शिक्षा-दीक्षा सब मुंबई सँ भेल छन्हि।

2015-16 में मैथिली धारावाहिक मास्टर साहेब के हिनक बैरिस्टर के यादगार चरित्र लोकक मोन में बसल अछि।

 

 

हिनक पहिल मैथिली सिनेमा दुल्हा चोर 2019 में सुपरहिट छल। एकर Youtube Link अछि :

हिनक दोसर सिनेमा पुतोहु रिलीज लेल तैयार अछि 2020 में आ Youtube पर नीक प्रदर्शन अछि ट्रेलर के।

एहि के अलावा हिनक मुख्य अभिनय में भोजपुरी सिनेमा न जाने कब प्यार हो गईल सेहो 2020 में रिलीज लेल तैयार अछि।

हिनक दोसर भोजपुरी सिनेमा कसम तिरंगा के सेहो 2020 में रिलीज के लेल तैयार अछि जहिमें रवि किशन, अरविंद अकेला, कल्लू, विराज भट्ट आदि कलाकार छथि।
हिनक हिन्दी सिनेमा काव्याघाट : एक प्रेम कथा बनिकय तैयार अछि आ रिलीज लेल इंतजार में अछि।

हिनक ई-मेल : kumarghanshyam9022@gmail.com