Kislay Krishna :: किसलय कृष्ण (उद्घोषक)


Image

Kislay Krishna :: किसलय कृष्ण (उद्घोषक)

मैथिलीक युवा फिल्मकार आ उद्घोषक किसलय कृष्णक जन्म 13 दिसम्बर 1979 केँ सहरसा जिलाक भकुआ गाममे भेलनि । प्राथमिक आ माध्यमिक शिक्षा गामसँ लेलाक उपरान्त टी एन बी कालेज भागलपुर सँ आइ एस सी आ दिल्ली विश्वविद्यालय सँ स्नातक आ एम ए केर परीक्षा प्रथम श्रेणी मे उतीर्ण केलाह । मातृभाषा प्रति प्रेम हिनका आरम्भ सँ रहलनि । विभिन्न अखबार आ टीवी चैनलमे रहैत ई मैथिली लेल बहुत काज केलनि । टेलीविजन आ सिनेमामे सक्रिय रहैत मैथिलीमे कैकटा लघुफिल्म आ वृत चित्रक लेखन निर्देशनक संगहि साहित्यमे सेहो सक्रिय छथि । करीब एक दर्जन कथा सहित कतेको गीत गजल प्रकाशित ओ प्रसारित छनि । विडिओ पत्रिका मिथिला भारती आ मैथिलीक फिल्म पत्रिका परिकल्पनाक संपादन संग सौभाग्य मिथिला टीवीक झारखंड प्रभारी सेहो रहि चुकल छथि । विद्यापति धाम लछमिनियाँ, सहरसाक स्थापना मे हिनक उल्लेखनीय योगदान रहल अछि। मैथिली मे अश्लीलता आ पैरोडी संगीतक परम विरोधी किसलय कृष्ण मैथिली मंचक सार्थक उद्घोषक रूपमे चर्चित छथि । मैथिली सिनेमाक इतिहास संग विभिन्न पोथीक लेखक किसलय कतेको प्रोडक्शन हाउसमे क्रिएटिव हेड रहि चुकलाह अछि जाहिमे नीलम फिल्म्स ,शूटवुट एण्टरटेन्मेण्ट आदि प्रमुख अछि । भाषा संस्कृति मे उत्कृष्ट योगदान लेल नेपालमे अन्तरराष्ट्रीय सद्भावना सम्मान, संस्कृतिदूत सम्मान, मिथिला मिरर सम्मान, विनय तरूण पुरस्कारसँ सेहो सम्मानित छथि । मैथिली सिनेमा पर शोधग्रंथ लिखबा लेल हिनका दिल्ली सरकारक मैथिली भोजपुरी अकादमी सँ अध्येतावृत्ति भेटि चुकल छनि ।