KALPANA CHOUDHARY


image

KALPANA CHOUDHARY

श्रीमती कल्पना चौधरी, मिथिला चित्रकला में दरभंगा के एकटा प्रमुख पहचानल चेहरा छथि।दरभंगा जिलाक कबिलपुर नैहरसिनुआरा सासुर छनि आ एकटा ग्रामीण परिवेश में रहलाक संगहि मिथिला के पारंपरिक चित्रकला सँ जुड़ि एकटा रोजगारक साधन बना कल्पनाजी अनेको कलाकारगण के रोजी-रोटी चलबैत छथि। मिथिला युनिवर्सिटी सँ एम.ए. कल्पनाजी, परिवार में पारंपरिक रूप सँ एहि कला के प्रशिक्षण के संग एक सालक सर्टिफिकेट कोर्स ललित नारायण मिथिला युनिवर्सिटी सँ कयने छथि आ दरभंगा के सौन्दर्यीकरण मे सब जगह योगदान देने छथि चाहे ओ रेलवे स्टेशन हुए वा युनिवर्सिटी कैंपस हुए वा कलेक्टोरेट हुए। अनेको बेर दरभंगा में आयोजित होबयवला मिथिला महोत्सव में सम्मानित आ पुरस्कृत भेल छथि जिलाधिकारी, दरभंगा के द्वारा। वर्तमान में कल्पना मिथिला आर्ट के नाम सँ अपन प्रशिक्षण संस्था चला रहल छथि। कल्पनाजी मिथिला चित्रकला प्रतियोगिता 2019 में एकटा प्रतिभागी के रूप में मैथिल मंच सँ जुड़ल छलथि आ एकटा पारिवारिक स्तंभ के रूप में सतत सहयोगी रहय छथिन्ह। हमसब एकटा Mentor मार्गदर्शक के रूप में कल्पनाजी के सहयोग पाबि गौरवान्वित छी आ एहि प्रतियोगिता आ प्रतिभागीलोकनि के उज्ज्वल भविष्य हेतु आशान्वित सेहो।

SOME PAINTINGS OF KALPANA :