जन्मदिन विशेष (13 जुलाई) :: जयंती कुमारी


Image

जन्मदिन विशेष (13 जुलाई) :: जयंती कुमारी

मिथिला-मैथिली हेतु सतत सक्रिय आ जागृत मैथिलानीलोकनि में प्रमुख श्रीमती जयंती कुमारी जी के आई जन्मदिन छन्हि। हमसब हिनका एकटा सशक्त मिथिलानी संगहि युवा कवियित्री के रूप सँ सेहो परिचित छी। सोशल मीडिया में सतत अपन कविता आ विचार के माध्यम सँ जागृति पसारयवाली जयंती जी के शांत, चिंतक आ प्रभावशाली व्यक्तित्व संगहि एकटा मातृस्वरूपिणी रूप छन्हि जे सतत अपन मिथिला में नारी सशक्तिकरण हेतु सतत प्रयासरत रहय छथि।
हमसब हिनकासँ “मैथिल मंच” के शुभचिंतक अभिभावक रूप में परिचित छी जे समस्त संगठन आ निजी रूप सँ सेहो एकटा अलग स्थान राखैत अछि हमरा सबलेल।
आई समस्त मैथिल मंच परिवार के तरफ सँ जयंती जी के जन्मदिन के ढ़ाकीभरि बधाई आ अशेष शुभकामना दैत मोन हर्षित अछि आ माँ भगवती सँ प्रार्थना जे सतत हिनक मार्गदर्शन आ आशीर्वाद भेटैत रहय।
आजुके दिन हिनक प्रथम कविता संग्रह “अभिसारिका” प्रकाशित भेल छनि एहिलेल सेहो अनंत शुभाकामना