“एकादश रूद्र महादेव” :: मंगरौनी

Image

“एकादश रूद्र महादेव”, मंगरौनी
=====================
मधुबनी सअ मात्र ३ किलोमीटर दूर मंगरौनी गाम में विश्व केर एकमात्र अद्भुत “श्री श्री ११०८ एकादश रूद्र महादेव” केर मंदिर छैन्हि I कांची पीठक शंकराचार्य जयेंद्र सरस्वती 1997 में जखन एहि ठाम एलैथ तs एके टा शक्ति वेदी पर भगवान शंकरक ग्यारह अलौकिक रूप देखि कs भावविह्वल भs गेलाह आ बजलाह कि इ मंदिर विश्व में एकमात्र अछि , जहाँ तांत्रिक विधि सs शिव केर ग्यारहों लिंग स्थापित कायल गेल अछि I एहि मंदिरक स्थापना प्रसिद्ध तांत्रिक मुनीश्वर झा द्वारा सन 1953 में भेल! सब शिवलिंग 200 साल सअ बेसी पुरान, कारी ग्रेनाईट पाथरक अछि ! सोम दिन एहि ठाम दूध, दही, घी, मधु, पंचामृत, चन्दन आदि सs सब शिवलिंगक स्नान एवं श्रृंगार होइत अछि आ भंडारा (महाप्रसाद) केर आयोजन कायल जाइत अछि ! महादेव ,शिव: ,रुद्रः ,शंकर,नीललोहितः,ईशानः,विजयः,भीमः,देवदेवः,भवोद्भवः, कपालिश्चः रूप में विद्यमान छैथ जे 10 मई सअ 21 मई 2000 तक केर बीच में स्वतः उभरल ! एहि ठाम भगवान शिव केर मंत्र “ॐ नमः शिवाय ॐ एकादश रुद्राय ” अछि ! एहि स्थान पर 100 बेर मंत्र जपला सs 1200 मंत्र केर फल भेटैत अछि ! हर हर महादेव ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *