Dr. Ramanand Jha :: डा•रमानन्द झा


Image

Dr. Ramanand Jha :: डा•रमानन्द झा
इतिहासक विद्वान प्राध्यापक, अध्येता, ‘हिस्ट्री ऑफ सरकार तिरहुत अंडर द ईस्ट-इंडिया-कंपनी ‘क लेखक एवं महारानी कल्याणी महाविद्यालय, लहेरियासरायक सेवानिवृत्त प्रधानाचार्य, कबिलपुर ग्राम निवासी डाक्टर रमानन्दझाक आइ निधन भऽ गेलनि । अस्सी वर्षीय डाक्टर झा पछिला किछु दिनसँ अस्वस्थ चलि रहल छलाह । व्यवहार कुशल ओ सामाजिक आचार-विचारमे पटु डाक्टर रमानन्दझाक निधनसँ कबिलपुर ग्रामवासी लोकनि शोकाकुल भऽ उठलाह अछि । एहि विभूतिकें अशेष नमन ओ श्रद्धार्पण ।