Er. Sharat Jha :: ई. शरत झा


Image

अपन मिथिला बदलाव के समय सँ गुजरि रहल अछि। एहि बदलाव के लेल हजारों युवालोकनि के दशक सँ बेसी समय के मेहनत लागल अछि। एहने युवा लोकनि के हमसब Youth Icon Of Mithila कहय छियन्हि। एहि क्रम में सबसँ पहिल नाम अगर आबैत अछि त ओ छथि Son Of Mithila के नाम सँ प्रसिद्ध ईं. शरत झा।
मूलत: टेकटार-कमतौल, दरभंगा निवासी, ई. शरत झा वर्तमान मे संगम विहार, दिल्ली में रहय छथि आ एकटा उभरैत युवा राजनेता के रूप में जानल जाई छथि।
शरत झा एक इंजीनियरिंग ग्रेजुएट के संग-संग एकटा माँझल मैनेजमेंट गुरू सेहो छथि जे अपन जीवन के हुनका एतेक कम आयु में वरिष्ठ समाजसेवी, प्रखर वक्ता सफल उद्यमी आ मिथिला-मैथिली के एकटा प्रमुख स्तंभ के रूप में काज करैत अपन पारिवारिक जिम्मेदारी सम्हारि रहल छथि।
टाटा कंसल्टेंसी सर्विसेज, विप्रो टेक्नोलॉजी, एचसीएल टेक्नोलॉजी जेहन पैघ-पैघ कंपनी में उच्च पदस्थ रहि पन्द्रह साल सँ बेसी देश-विदेश में नोकरी कयलाह आ आब उत्तर-पूर्वी भारत के एकटा उभरैत व्यवसायी के रूप में अपन जगह बनबैत दू-तीन टा फास्टेस्ट ग्रोइंग स्टार्टप के CMD छथि।

Image
एहि के संगे बहुत रास सोशल आर्गेनाइजेशन के फाउंडर सेहो छैथ।भारतीय जनता पार्टी में दिल्ली सँ दरिभंगा तक एकटा परिश्रमी नेता के रूप में सबके चहेता बैन जगह बनेला आ युवातुर्क के रूप में प्रचलित छथि। मिथिला आ पूर्वांचल जे भारतक पिछड़ल क्षेत्र अइछ तेकर विकासक लेल सैदखन अपन आवाज बुलंद करैत रहैथ छैथ।
हिनक पिताजी श्री राम एकबाल झा एकटा सफल उद्यमी आ अपन क्षेत्रक सम्मानित व्यक्तित्व छथिन्ह आ माता श्रीमती शकुंतला देवी गृहणी छथिन्ह। पत्नी, श्रीमती जयंती कुमारी झा मैथिली आ हिन्दी के स्थापित लेखिका छथिन्ह। दू टा पुत्र सजल आ सलिल छथिन्ह जे क्रमशः दसवीं आ पाँचवी में पढ़य छथिन्ह।