Dr. Manish Kumar (Neurosurgeon)


mkn04

Dr. Manish Kumar (Neurosurgeon)

देश के प्रसिद्ध न्यूरोसर्जन में एक डॉ. मनीष कुमार, अपन मिथिला के गौरव संग आजुक नव युवा पीढ़ी लेल एकटा आदर्श आ प्रेरणास्रोत छथि।
समस्तीपुर के रामपुर विशुन (गोही-किशनपुर रेलवे स्टेशन सँ पूरब) एकटा साधारण किसान परिवार (माता सुशीला देवी आ पिता श्री हरेकृष्ण ठाकुर) के मनीष आई देश के प्रमुख न्यूरोसर्जन के रूप में जानल जाईत छथि।
डॉ. मनीष के प्रारंभिक पढ़ाई मैट्रिक(1987) तक भागवत ठाकुर उच्च विद्यालय किशनपुर समस्तीपुर में भेल छनि। लंगट सिंह कॉलेज मुजफ्फरपुर सँ इंटर (1989) में केलाक बाद मदुरै मेडिकल कालेज सँMBBS आ फेर DNB – Neurosurgery अपोलो हॉस्पिटल चैन्नई सँ कयलन्हि आ वर्षों तक प्रारंभिक सेवा चेन्नई में देलन्हि। 2015 ई. सँ दिल्ली में छथि। दिल्ली अपोलो हॉस्पिटल के अलावा अनेको हॉस्पिटल में ब्रेन आ स्पाइन के सर्जरी करैत छथि आ द्वारका आ नजफगढ़ में अपन हॉस्पीटल छन्हि।

उपरोक्त गुण मिथिला के सैकड़ो डॉक्टर में अछि। मुदा डॉ. मनीष कुमार के किछु विशेष गुण सँ परिचय कराबय चाहब जे हिनका आन सँ अलग आ अपन प्रोफेशन लेल समर्पित करैत अछि। आजुक एहि आर्थिक युग में आईयो के समय में डॉ. मनीष अपन प्रोफेशन के आय के स्रोत सँ बेसी सेवाभावना के महत्व दै छथि। चाहे ओ कोनो गरीब के लेल समय-समय पर नि:शुल्क वा न्यूनतम शुल्क में सेवा देनाई होई वा रोगी के निजी रूप सँ देखभाल कयनाई होई। विगत दिन चेन्नई यात्राक दौरान चेन्नई में किछु मित्रगण सँ सूचित भेल कि डॉ. मनीष लेल जे चेन्नई के लोक में आईयो एते अगाढ़ प्रेम छन्हि ओकर शाब्दिक वर्णन नहिं भय सकैत अछि। चेन्नई में रहनिहार राजू ठाकुर जी कहैत छथि जे अहाँ बिना कोनो पहचान के सीधा डॉ. मनीष जी लग जा सकय छी। डॉ. मनीष हर रोगी वा परिजन सँ निजी रूप सँ बात करय छथिन्ह आ अहाँके अनुभव नै होयत जे अहाँ पहिल बेर भेंट कय रहल छी।
कखनो-कखनो सिस्टम के विरोध में जा कय अपन प्रोफेशन के सेवा भावना सँ जोड़बाक लेल डॉ. मनीष जानल जाईत छथि आ अपन कतेको पेसेंट के लेल जीवनदायक बनि रहल छथि समय-समय पर।
डॉ. मनीष के एहि सेवाभावना आ अपन प्रोफेशन के प्रति ई सच्चा समर्पण हिनका Youth Icon बनबैत छन्हि।

डॉ मनीष कुमार
पिता – श्री हरे कृष्णा ठाकुर (किसान)
माँ – श्रीमती सुशीला देवी (शिक्षिका – प्राथमिक विद्यालय रघुनाथपुर, किशनपुर)
छोटा भाई – श्री मृत्युंजय कुमार अधिवक्ता हाई कोर्ट पटना
ग्राम – रामपुर विशुन (गोही – किशनपुर रेलवे स्टेशन से पूरब)
जिला – समस्तीपुर
दसवीं तक पढ़ाई – भागवत ठाकुर उच्च विद्यालय किशनपुर समस्तीपुर 1987
ISc (12th) – लंगट सिंह कॉलेज मुजफ्फरपुर 1989
MBBS – मदुरै मेडिकल कॉलेज मदुरै तमिलनाडु
DNB – Neurosurgery – अपोलो हॉस्पिटल चेन्नई तमिलनाडु
2015 से दिल्ली में हैं
दिल्ली अपोलो हॉस्पिटल के अलावा अन्य कई अस्पतालों में ब्रेन और स्पाइन की सर्जरी करते हैं
द्वारका और नजफगढ़ में अपना हॉस्पिटल है