जन्मदिन विशेष :: डॉ. चन्द्रमणि झा


Image

जन्मदिन विशेष :: डॉ. चन्द्रमणि झा

“लाले लाले अरहुल के माला बनेलौ माँ गरदनि लगा लिय ने…..”

मैथिली के प्रसिद्ध गीतकार आ गायक डॉ. चन्द्रमणि झाक जन्म 12 जून 1952 ई. के दरभंगा जिला के बेनीपुर प्रखंड के बहेड़ा थानान्तर्गत नवादा गाम में भेलन्हि। हिनक पिताजीक नाम स्व. राममूर्ति झा आ माताक नाम स्व. सीता देवी छलन्हि।
शिक्षा में बी.एस.सी., बी.ए.(प्रतिष्ठा), एम.ए.(मैथिली/अंग्रेजी) आ
पी.एच.डी. संग संगीत प्रभाकर सेहो कयलने छथि।
हिनक प्रमुख कृति छन्हि :
1. रहि जो हमरे गाम (मैथिली गीत संग्रह)
2. गीताम्बुज (मैथिली गीत संग्रह)
3. उगना विद्यापति महाकाव्य (लघु कथा काव्य)
4. निधि निबंध ( मैथिली निबंध संग्रह)
5. Selected Sings Of Vidyapati (विद्यापतिक बिछौटा गीत सबहक अंग्रेजी अनुवाद, हिन्दी अर्थ सहित)
6. अनामिका (मैथिली गीत काव्य संग्रह)
7. मुक्त उन्मुक्त ( मैथिली कविता संग्रह)
8. हारि नहि मानब ( अटल बिहारी वाजपेयी जीक कविताक मैथिली अनुवाद)
9. श्रीसीता शतक
10. गीत-मंजूषा (मैथिली गीत संग्रह)
11. गुलरी (बाल उपन्यास)

डॉ. चन्द्रमणिजी के मिथिला संग देशभरि में अनेको सम्मान भेटल छन्हि जहिमें प्रमुख अछि :
1. विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा द्वारा “मिथिला विभूति सम्मान”
2. अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद, चेन्नई द्वारा मिथिला रत्न सम्मान
3. मैथिल समाज, रहिका द्वारा महेन्द्र सम्मान
4. मिथिला विकास परिषद, कोलकाता द्वारा मैथिली गीत सम्राट
5. मिथिला लोक संस्कृति मंच, लहेरियासराय, दरभंगा द्वारा मिथिला सेवा सम्मान
6. शाश्वत मिथिला आ जानकी सेवा समिति, अहमदाबाद द्वारा मिथिला शिरोमणि
7.मिसाँसस, गुआहाटी द्वारा पूर्वोत्तर मैथिल सम्मान
आदि अनेकों सम्मान सँ सुशोभित चन्द्रमणि समाहरणालय, दरभंगा सँ सेवानिवृत्त छथि आ वर्तमान में न्यू बलभद्रपुर, लहेरियासराय, दरभंगा में रहय छथि आ हिनक सम्पर्क सूत्र drchandramanijha@gmail.com छनि।

समस्त मैथिल मंच परिवार हिनक जन्मदिन के अशेष शुभकामना आ बधाई प्रेषित करैत हिनक दीर्घायु जीवनक कामना माँ भगवती सँ करैत अछि।