DEEPAK DIWAKAR JHA:: दीपक दिवाकर झा


image

DEEPAK DIWAKAR JHA:: दीपक दिवाकर झा ( Birthday : 16 November 1994 )

दीपक दिवाकर झा  मैथिली मंचक एकटा नव चेहरा के रुप में उभैर रहल छथि। स्टेज गायिकी संग सैकड़ो एलबम के संग अनेको राष्ट्रीय आ अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली मंच पर मिथिला के प्रतिनिधित्व करैत आई हमसब हिनका एकटा गायक, रचनाकार  संग एकटा प्रबुद्ध समाजसेवक के रुप में चिन्हय छी।

दीपक दिवाकर झा मूलत: सीतामढ़ी जिलाक खरका  बसंत गामक रहनिहार छथि। हिनक पिताजीक नाम श्री राजेश झा  आ बाबा के नाम स्व गणेश झा ( बाबा जी ) छन्हि।
हिनक शिक्षा प्रारंभ में शशीधर नारायण मध्य विद्यालय खरका आ तहन कृष्णधारी केदारनाथ उच्च विद्यालय खरका  में भेलन्हि । पटना मे हिन्कर उच्च शिक्षा लेला । वर्तमान में दिल्ली में रहय छथि आ एखन Times of India मे कार्यरत  छथि। जतेक नीक हिनक गायन छन्हि ओतबे नीक हिनक लेखन सेहो छन्हि। हिनक  पहिल मैथिली गीत  छल “पैसा के सब पर असर भ गेलैय ” आ एखन धरि बहुत रास गीत  में अपन स्वर देने छथि  “सब स महान अपन मिथिला धाम”।
हमसब हिनक आवाज बहुत रास मैथिली मे भगवती वंदना , महादेव नचारी , देवी गीत लोक गीत  उपक्रम जेना &Tv India’s Talent Show आदि शो मे अपन कलाकारी स जानल जाय छथि ।
प्रचार गीत के बहुत अलग तरीका स हिनक आवाज सुनय छी।

ओना त अनेको बेर विद्यापति समारोह आ आन मंच आयोजन में दीपक जी अपन आवाज सतत दैत रहय छथि ।

YouTube Channel :