बसैटी – अररिया क एतिहासिक मंदिर


Image

सतरहवीं सदी क उत्तरार्ध मे पूर्णियां मे सौरिया ( सुरगण ) नामक राजवंश क स्थापना भेल छल , जे पूरैनिया राज क नाम से प्रसिद्ध छल . समरू राय एकर संस्थापक छला . समरू राय क बाद कृष्णदेव राजा भेला .
राजा कृष्णदेव क उत्तराधिकारि क राज्य पहसरा शाखा और कृष्णदेव क भाई राजा भागीरथ क उत्तराधिकारी सौरिया शाखा क नाम स प्रसिद्ध भेल .
तत्कालीन पूर्णियां के पहसरा नामक स्थान पर राजा कृष्णदेव का मुख्यालय छल . अहि वंश क अंतिम राजा इन्द्रनारायण राय का मुख्यालय कसबा के निकट मोहनी में रहैन्ह . राजा इन्द्रनारायण राय निःसंतान छला , फलतः १७८४ मे हिनक़ मृत्यु क बाद रानी इंद्रावती शासन क बागडोर सम्हारली . ओहि समय वो पूर्णियां क सबसे पैग जमींदारी छल . १८०३ में हिनकर मृत्यु भेल . बसैटी , अररिया क एतिहासिक मंदिर रानी इंद्रावती सन १८९७ मे केने रहैथ जे एखनो विद्यमान अछि । वो अपन उत्तराधिकारी अपन ममियौत भाई भैआ झा के बनेली जिनक पुत्र राजा विजय गोविंद सिंह राजा भेला ।