एहिबेर मात्र एक दिवसीय मिथिला विभूति पर्व समारोह तीन नवम्बर कें , पद्मश्री शांति देवी सहित 13 विशिष्ट लोक कें प्रदान कयल जायत मिथिला विभूति सम्मान

Mithila Vibhuti Samman 2025

एहिबेर मात्र एक दिवसीय मिथिला विभूति पर्व समारोह तीन नवम्बर कें
—-
जानकी जन्मभूमि मंदिर, पुनौरा धाम केर पीठाधीश्वर महंत कौशल किशोर दास, जानकी मंदिर, जनकपुरक उत्तराधिकारी महंत राम रोशन दास, मखान वैज्ञानिक डॉ राजेश कुमार विश्वकर्मा, पद्मश्री शांति देवी सहित 13 विशिष्ट लोक कें प्रदान कयल जायत मिथिला विभूति सम्मान
——
कवि कोकिल बाबा विद्यापति केर अवसान दिवस कार्तिक धवल त्रयोदशीक उपलक्ष्यमे विद्यापति सेवा संस्थानक तत्वावधानमे प्रतिवर्ष आयोजित होबय बला तीन दिवसीय मिथिला विभूति पर्व समारोह एहिबेर मात्र एक दिवसीय होयत। ई जानकारी दैत विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डॉ बैद्यनाथ चौधरी बैजू बतेलनि जे संस्थानक कार्यकारिणीक सदस्य लोकनि सर्वसम्मति सँ ई निर्णय आगामी 6 नवंबर कें दरभंगा क्षेत्रमे होबय बला लोकतंत्र केर महापर्व कें ध्यानमे राखि लेलनि अछि। ओ बतेलनि जे समारोहक 53म वार्षिक समारोह एहि वर्ष केवन 3 नवंबर कें पूर्वक भांति एमएलएसएम कॉलेज परिसरमे मनाओल जायत। समारोहक शुभारम्भ दूपहरिया बाद 2 बजे विद्यापति चौक पर स्थित कवि कोकिल बाबा विद्यापति केर प्रतिमा पर माल्यार्पणक संग होयत। तदुपरांत, समारोहक विधिवत उद्घाटन, मंगलाचरण, सम्मान समारोह, विद्यापति संगीत, कवि सम्मेलन आ रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम देर राति धरि आयोजित कयल जायत। जाहिमें लेखक रमेश केर संयोजन ओ प्रवीण कुमार झाक सह संयोजनमे डा.चंद्रमणि, डा. जयप्रकाश चौधरी जनक, हरिश्चंद्र हरित, डा. विद्याधर मिश्र, प्रो.अशोक कुमार मेहता, अजित आजाद, सतीश साजन, कमलेश प्रेमेंद्र,आनंद मोहन झा, फूलचंद्र झा प्रवीण, मणिकांत झा, मालती झा, डा.सत्येन्द्र कुमार झा, रामसेवक ठाकुर, बंशीधर मिश्र आदि नामचीन कवि लोकनिक प्रस्तुति संग पं कमला कांत झाक संयोजनमे राइजिंग स्टार मैथिली ठाकुर, रंजना झा, जुली झा, कुंज बिहारी मिश्र, रामबाबू झा, माधव राय, विकास झा, रामसेवक ठाकुर, ऋषभ भारद्वाज, केदारनाथ कुमर, दीपक कुमार झा, डा. ममता ठाकुर, डा. सुषमा झा, अनुपम मिश्रा आदि मैथिली मंचक स्थापित कलाकार लोकनिक मनोहारी प्रस्तुति दर्शक केर विशेष आकर्षणक केंद्रमे रहत।
डा. बैजू बतेलनि जे समारोहक पहिल सत्रमे विभिन्न क्षेत्रमे उत्कृष्ट योगदान देनिहार कुल 13 विशिष्ट लोक कें परंपरा अनुसार मिथिला विभूति सम्मान प्रदान कयल जायत। मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष पं कमला कांत झा केर संयोजनमे गठित डॉ महेंद्र नारायण राम आ प्रवीण कुमार झाक तीन सदस्यीय सम्मान समिति द्वारा लेल गेल निर्णयक जनतब दैत ओ बतेलनि जे एहि वर्ष जानकी उत्कर्ष केर अंतर्राष्ट्रीय उन्नयन ओ धर्म क्षेत्रमे उत्कृष्ट योगदान लेल जानकी जन्मभूमि मंदिर, पुनौरा धामक पीठाधीश्वर महंत कौशल किशोर दास, जानकी मंदिर, जनकपुर, नेपालक उत्तराधिकारी महंत राम रोशन दास श्रीवैष्णव आ प्रसिद्ध कथावाचक आचार्य धर्मेंद्र नाथ मिश्र केर संगहि आईसीएआर सँ संबद्ध प्रसिद्ध मखान वैज्ञानिक डा. राजेश कुमार विश्वकर्मा, संस्कृत साहित्य केर उद्भट विद्वान प्रो. वशिष्ठ नारायण झा, कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालयक यशस्वी कुलसचिव डा. ब्रजेशपति त्रिपाठी, मुंगेर विश्वविद्यालयक कुलसचिव डा. घनश्याम राय, रीजनल सेकेंडरी स्कूल, मधुबनी केर निदेशक डा. राम श्रृंगार पांडे कें शिक्षा क्षेत्रमे एहि सालक ई सम्मान प्रदान कयल जायत। ओ बतेलनि जे मिथिला चित्रकला केर क्षेत्रमे उत्कृष्ट योगदान लेल पद्मश्री शांति देवी, मैथिली साहित्य केर क्षेत्रमे उत्कृष्ट योगदान लेल ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक पीजी मैथिली विभागक पूर्व अध्यक्ष प्रो रमण झा आ डा. गोविंद झा केर चयन कयल गेल अछि। जखनकि चिकित्सा क्षेत्रमे उत्कृष्ट योगदान लेल श्यामा सर्जिकल अस्पताल केर निदेशक ओ प्रसिद्ध शल्य चिकित्सक डा. विजेंद्र मिश्रा एवं सामाजिक क्षेत्रमे उत्कृष्ट योगदान लेल झारखंड सरकारक पूर्व मंत्री राज पलिवार कें एहि वर्ष मिथिला विभूति सम्मान सँ सम्मानित कयल जायत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *