
विद्यापति सेवा संस्थान कयलक कुलपति प्रो संजय कुमार चौधरीक भव्य अभिनंदन
———–
ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयमे शैक्षणिक विकासक असीमित संभावना मौजूद अछि। आबय बला समय मिथिला विश्वविद्यालयक होयत आ एकर सर्वांगीण विकासक दरबज्जा चारू दिशामे खूजत। ई गप्प ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति प्रो संजय कुमार चौधरी शनिदिन विद्यापति सेवा संस्थानक तत्वावधानमे हुनक तीन वर्षीय कार्यकालक सफलतम दोसर साल पूरा होयबाक उपलक्ष्यमे आयोजित अभिनंदन समारोहमे कहलनि।
ओ कहलनि जे विश्वविद्यालयक कार्य संस्कृतिमे अपेक्षित सुधार भेला बाद हुनक प्राथमिकता पारंपरिक शिक्षाक गुणवत्ता कें दुरूस्त करबाक संग संग छात्र-छात्रा कें समयक मांग केर हिसाब सँ कौशल आधारित रोजगारोन्मुखी गैर पारंपरिक पाठ्यक्रमक विकल्प उपलब्ध करायब अछि। एकरा अंतर्गत विश्वविद्यालय फोरेंसिक साइंस सन कौशल विकास आधारित अनेक रोजगारोन्मुखी पाठ्यक्रम शुरू करय जा रहल अछि। एहि पाठ्यक्रम कें शुरू भेला सँ समयक जरूरति के हिसाब सँ जतय छात्र कें कैरियरक बेहतर विकल्प उपलब्ध होयत ओतहि ई विश्वविद्यालय पूर्वी जोनक एहन पहिल विश्वविद्यालय होयत जतय एकर पढाई होयत।
ओ महिला प्रौद्योगिकी संस्थान डब्ल्यू आई टी केर संचालन गतिविधि पर संतोष जाहिर करैत कहलनि जे प्रो. दिलीप कुमार चौधरीक सक्रियता आ कठिन परिश्रम सँ बीतल सत्र सँ कानूनमे स्नातक स्तर केर पढाई जतय फेर सँ शुरू भ’ गेल अछि। ओतहि बायोटेक पाठ्यक्रम आ खेल निदेशालय केर शुभारंभ होयबाक प्रक्रिया अंतिम चरणमे अछि। अपन संबोधनमे कुलपति शीघ्रहि दूरस्थ शिक्षा निदेशालय आ खेल निदेशालय केर सेहो प्रारंभ होयबाक प्रबल संभावना जाहिर कयलनि।

कुलपति कहलनि जे विद्यार्थी केर उत्तर पुस्तिकाक ससमय मूल्यांकन आ निर्धारित समय सीमा केर भीतर ओकर परीक्षा फल प्रकाशित करबा लेल विश्वविद्यालयमे केंद्रीय मूल्यांकन केंद्रक स्थापना कयल जा रहल अछि। जाहिमे डिजिटल मूल्यांकनक व्यवस्था सुनिश्चित भेला सँ उत्तर पुस्तिका केर मूल्यांकनमे समयक बचत संग छात्रक परीक्षा फल केर प्रकाशन ससमय कयल जा सकत। ओ कहलनि जे परीक्षा फल केर प्रकाशनमे समर्थ आ स्वयं पोर्टल केर महत्व कें बूझैत एकरा सेहो तेजी सँ सक्रिय कयल जा रहल अछि।
अपन संबोधनमे कुलपति शिक्षक लोकनिक प्रति विशेष रूप सँ धन्यवाद ज्ञापित करैत कहलनि जे अध्यापन केर जवाबदेही कें समुचित निमाहैत विश्वविद्यालयक बहुत रास जरूरी काज कें निपटेबामे हुनक भूमिका अत्यंत महत्वपूर्ण अछि। ओ कहलनि जे सेवानिवृत शिक्षक आ कर्मी लोकनिक बकाया केर भुगतान पर हुनकर सोझ नजरि अछि आ ओ एहिपर विधि सम्मत कार्रवाई करबामे निरंतर लागल छथि। ओ शिक्षक लोकनिक प्रोन्नतिक काज 10 फरवरी सँ शुरू होयबाक बात रखैत शिक्षक, कर्मचारी आ विद्यार्थीक श्रमसाध्य सक्रियताक बल पर विश्वविद्यालयक प्रगति केर गति पर संतोष जाहिर करैत कहलनि जे विजिलेंस केर दौर सँ गुजरय बला विश्वविद्यालय जँ सभ क्षेत्रमे प्रगति क’ रहल अछि त’ एकर सीधा मतलब अछि जे विश्वविद्यालयक कार्यप्रणाली सजग अछि। ओ विभिन्न विभाग कें एकटा कॉन्फ्रेंस हॉल मुहैया करेबा कें अपन प्राथमिकता सूचीमे सबसँ ऊपर बतबैत कहलनि जे स्कूल गुरु मामिलामे एमओयू मे सामने आयल गड़बड़ी केर विरुद्ध विश्वविद्यालय न्यायालय केर शरणमे जयबक सोचि रहल, ताकि विश्वविद्यालयक धन केर दुरुपयोग होयबा सँ बचायल जा सकय। ओ डा बैद्यनाथ चौधरी बैजू केर मुक्त कंठ सँ प्रशंसा करैत कहलनि जे हिनका सन निःस्वार्थी लोक विश्वविद्यालयक मूल पूंजी छथि।
स्थानीय एमएलएसएम कॉलेजक सभागारमे आयोजित कार्यक्रमक अध्यक्षता सी. एम. साइंस कॉलेजक प्रधानाचार्य प्रो संजीव कुमार मिश्र कयलनि। महाविद्यालय केर संगीत विभागक छात्र-छात्रा द्वारा प्रस्तुत कवि कोकिल विद्यापति रचित गोसाउनि गीत ‘जय जय भैरवि…’ सँ प्रारंभ भेल कार्यक्रममे मैथिली मंचक स्थापित कलाकार रामसेवक ठाकुर, कृष्ण कुमार कन्हैया आ केदारनाथ कुमर सामूहिक स्वागत गीत आ अन्य प्रस्तुति सँ सबहक मन मोहि लेलनि।
संस्थानक मीडिया संयोजक प्रवीण कुमार झा केर संचालनमे आयोजित कार्यक्रममे संगीतक सुरगर लहरीक बीच संस्थानक दिसि सँ कुलपति केर अभिनंदनमे बधाइ आ शुभकामनाक स्वर खूब फूटल। संस्थान परिवार दिसि सँ प्रवीण कुमार झा द्वारा रचित अभिनंदन पत्रक सस्वर वाचन ओ स्वयं कयलनि।
एहि सँ पहिले स्वागत संबोधनमे संस्थानक महासचिव डॉ बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहलनि जे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक यशस्वी कुलपति प्रो संजय कुमार चौधरी केर दू वर्षक उपलब्धिपूर्ण कार्यकाल लेल हुनक अभिनंदन सँ विश्वविद्यालयक विकास केर गति कें थोड़े मिठास भेटत। ओ कहलनि जे हुनक कार्यकालमे विश्वविद्यालयक उत्तरोत्तर विकास भ’ रहल अछि, जाहि सँ मिथिलाक आम आ खास सभ तरहक लोक आह्लादित छथि। हुनक गुणवत्तापूर्ण प्रशासनिक आ शैक्षणिक तत्परता सन आम मिथिलावासीमे उमंग आ उत्साहक अभूतपूर्व संचार भेल अछि।
विश्वविद्यालय परिसरक ऐतिहासिक महत्व कें देखैत एकर समुचित रख-रखावमे तत्परता देखायब, दूरस्थ शिक्षा निदेशालय केर सुदृढ़ीकरण सहित खेल निदेशालय आ अंतरराष्ट्रीय स्टेडियमक स्थापनामे अभूतपूर्व दिलचस्पी लेब, खेल प्राधिकरण केर गठन आदिमे हुनक दूर-दृष्टि विश्वविद्यालयक स्वर्णिम भविष्यक निर्माणमे अत्यंत महत्वपूर्ण होयत।
विश्वविद्यालय सिंडिकेट केर वरिष्ठ सदस्य डा. हरि नारायण सिंह कुलपति कें कुशल प्रशासक आ प्रभावशाली अनुशासक बतबैत कहलनि जे कुलपति अपने तीन वर्षीय कार्यकालक पहिल जोड़ा सालमे अपन दूरदर्शी सोच कें साबित क’ दिखौलनि अछि। संगहि सबकें संग ल’ चलबाक हुनक मंशा हुनका कुलपति केर दीवाना बना देलक अछि।
मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष पं कमला कांत झा कुलपति केर कार्यशैलीक चर्चा करैत कहलनि जे ‘सर्वजन हिताय’ केर हुनक मनोभावना नहि सिर्फ प्रशंसनीय अछि, अपितु एहिमे विश्वविद्यालयक सर्वांगीण विकास सेहो सर्वथा निहित अछि। उप कुलसचिव द्वितीय डॉ. कुमार मनीष सामाजिक आ सांस्कृतिक संस्थान द्वारा कुलपति केर भव्य अभिनंदन कें हुनका द्वारा एखन धरि कयल काज केर स्वीकारोक्ति बतेलनि।
कुलपति केर अभिनंदन करैत एमएलएसएम कॉलेजक प्रधानाचार्य डॉ शंभु कुमार यादव कहलनि जे अभिनंदन समारोहमे लोकक स्वत: स्फूर्त जीवंत उपस्थिति कुलपति केर नेतृत्वमे सभ उम्मीद आ आशा केर पूर्ति होयबाक जीवंत प्रमाण अछि।
अध्यक्षीय संबोधनमे सी. एम. साइंस कॉलेजक प्रधानाचार्य प्रो संजीव कुमार मिश्र कहलनि जे कुलपति केर नेतृत्वमे विश्वविद्यालयमे काज राजक बसंती माहौल कायम करबामे नजरि आबि रहल सक्रियता अत्यंत महत्वपूर्ण अछि। आइ हुनक कुशल नेतृत्वमे विश्वविद्यालयक कार्य संस्कृतिमे आयल तत्परताक परिणाम अछि जे मात्र दू सालक अवधिमे विश्वविद्यालयमे चारू कात उमंग, उत्साह आ विश्वासक वातावरण खूब तेजगति सँ कायम भेल अछि। मौका पर प्रधानाचार्य मिथिलाक गौरवशाली परंपरा अनुरूप सी. एम. साइंस कॉलेज परिवार दिसि सँ मिथिला चित्रकला सँ सुसज्जित पाग, दोपटा, पुष्पगुच्छ आ कुलपति केर दू सालक गतिविधि पर केंद्रित आकर्षक फोटो फ्रेम प्रदान क’ कुलपति कें सम्मानित कयलनि।
कार्यक्रममे एम. के. कॉलेजक प्रधानाचार्य डॉ रहमतुल्लाह, सीनेट सदस्य क्रमशः डॉ रासुभग चौधरी, अंजीत चौधरी, सिनेटर सह शिक्षकेत्तर कर्मचारी महासंघक प्रक्षेत्रीय मंत्री विनय कुमार झा, वरिष्ठ शिक्षक कन्हैयाजी, समाजसेवी रंगनाथ ठाकुर, छात्र नेता उत्सव पराशर आदि सेहो अपन मूल्यवान विचार रखलनि। धन्यवाद ज्ञापन संस्थानक कार्यकारी अध्यक्ष डॉ बुचरू पासवान कयलनि।
अभिनंदन समारोहमे डॉ अयोध्या नाथ झा, वैद्य गणपति झा, डॉ माधव चौधरी, प्रो रमेश झा, डॉ अमलेन्दु शेखर पाठक, अरुण सिंह, डॉ. चंद्रनाथ मिश्र, डॉ गणेश कांत झा, दुर्गानंद झा, हरिकिशोर चौधरी, डॉ शेष नारायण झा, आशीष चौधरी, डॉ आनन्द मोहन झा, डॉ रोहित कुमार झा, राधेश्याम झा, मणिभूषण राजू, पंकज कुमार ठाकुर आदि समेत पैघ संख्यामे गणमान्य लोक उपस्थित छलाह।
